द वाॅयस इंडिया मे तेसर स्थान पर रहली परंपरा ठाकुर

    0
    440

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः देशक प्रतिष्ठित संगीतक कार्यक्रम ‘द वाॅयस इंडिया’ कें अतिम चारि मे स्थान प्राप्त कय जीतक प्रबल दावेदार मे सं एक परंपरा ठाकुर तेसर स्थान पर रहली। गायक एवं संगीतकार मिक्का सिंहक टीम सं फाइनल धरि पहुंचल परंपरा नकवाॅउट राउंड मे समस्त प्रतियोगी आ चुनौति कें सामना करैत अंतिम चारि मे जगह बनौने छलीह।

    वोटिंग राउंड हेवाक कारणें सेमीफाइनल मे सेहो परंपरा कें देश भरि सं करीब पंद्रह लाख सं बेसी वोट भेटल छलन्हि मुदा फाइनल मे जाहि तरहक वोट परंपरा कें भेटवाक चाहि छल ओतेक संख्या मे हुनका वोट नहि भेटलनि आ मात्र ओहि कारणें एकटा समग्र मैथिलानी अहि संगीतक कार्यक्रम कें जीतवा मे सफल नहि रहली। परंपरा ठाकुर अपना दिस सं सब कोशिश केलैन्हि। हुनका गायकीक सब जज लोकनि मुरीद छलाह मुदा समुचित वोट नहि भेटव हुनका लेल ट्राॅफी तक जेवाक मार्ग मे बाधक बनल।
    मैथिलीक सुप्रसिद्ध गीतकार ओ रचनाकार रविंद्र नाथ ठाकुरक पौत्री परंपरा अहि संगीतमय कार्यक्रम कें फाइनल मे पहुंच समस्त मिथिलाक माथ गर्व सं उपर केलीह सोशल मीडिया पर किछु तथा कथित व्यक्ति आ संस्था द्वारा चलाओल गेल भ्रामक प्रचार सेहो परंपरा कें हारिक कारण रहल। मिथिला मिरर परंपरा ठाकुर मैथिलानी हेवा पर कैल गेल समस्त प्रतिकूल टिप्पणीकर्ताक घोर निंदा क रहल अछि आ समाज सं एहन विषय पर एकटा नव सीख लेवाक सेहो आग्रह कय रहल अछि।
    परंपरा तेसरो स्थान पाबि जीतबा मे सफल रहली मुदा हारि त ओहि तथाकथित व्यक्ति ओ समाजक भेलैक जे परंपरा कें मैथिली नहि कहि हुनका पर नानान तरहक आरोप प्रत्यारोप लगौने छलैथ। मिथिला मिरर परिवार एक बेर फेर सं परंपरा कें अहि कीर्तक लेल कोटि सं बधाई आ शुभकामना द रहल अछि। आ अपने लोकनि सं इ वचन सेहो ल रहल अछि जे जखने परंपरा मुंबई सं दिल्ली वापिस औतिह अपने लोकनिक लेल हुनकर वीडियो साक्षात्कार सविस्तार मिथिला मिरर लय आयत सोंक्षा सेहो आयत।