नहि रहला मिसाइल मैन आ भारत रत्न डाॅ. एपीजे अब्दुल कलाम

0
502

दिल्ली-मिथिला मिररः भारतक पूर्व राष्ट्रपति डाॅ. एपीजे अब्दुल कलाम नहि रहला। आईआईएम शिलाॅग कें एकटा कार्यक्रम मे पहुंचल डाॅ. कलाम अचानक सं खैस पड़ला आ ओहिकें बाद आनन-फानन मे हुनका अस्पताल मे भर्ती अराओल गेल मुदा ओहिठाम हुनकर निधन भय गेलनि।

15 अक्टूबर 1931 क रामेश्वरम मे जनमल डाॅ. कलाम 25 जुलाई 2002 सं 25 जुलाई 2007 तक भारतक राष्ट्रपति रहला। डाॅ. कलाम कें भारतक मिसाइल मैनक उपाधी भेटल छलनि। भारत रत्न डाॅ. अब्दुल कलाम कें मिथिला मिरर परिवारक दिस सं श्रद्धांजलि।