बिहार विधानसभा चुनावक तिथीक घोषणा, 5 चरण मे मतदान

    0
    393

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनावक विधिवत घोषणा बुधिदिन अर्थात 09 सितंबर 2015क दिल्लीक निर्वाचन सदन सं क देल गेल। मुख्य चुनाव आयुक्त नसीम अहम जैदी सहित अन्य चुनाव आयुक्त उपस्थिति मे अहि तिथीक घोषणा कैल गेल।
    पांच चरण मे हैत मतदान
    पहिल चरणः 12 अक्टूबर कऽ 49 गोट विधानसभा सीट
    दोसर चरणः 16 अक्टूबर कऽ 32 गोट विधानसभा सीट
    तेसर चरणः 28 अक्टूबर कऽ 50 गोट विधानसभा सीट
    चारिम चरण‘ 1 नवंबर कऽ 55 गोट विधानसभा सीट
    पांचम आ अंतिम चरणः 5 नवंबर कऽ 57 गोट विधानसभा सीट
    वोटक गिनती 8 नवंबर कऽ निर्धारित कैल गेल अछि।
    कतेक मतदाता दऽ सकता वोट
    आगामी चुनाव मे बिहारक 38 गोट जिलाक 243 गोट विधानसभा सीट पर 6 करोड़ 68 लाख मतदाता अपन बहुमुल्य वोट द बिहारक नव नेताक चुनाव करताह। दिल्ली मे संवाददाता सम्मेलन करैत मुख्य चुनाव आयुक्त नसीम जैदी कहला जे 47 गोट विधानसभा सीट नक्सल प्रभावित क्षेत्र मे अछि आ अहि पर सुरक्षाक विशेष ध्यान देबय पड़तैक। एतबे नहि नसीम जैदी कहला जे बिहारक 38 गोट जिला मे सं 29 गोट जिला नक्सल प्रभावित क्षेत्र मे आवैत अछि ता लेल चुनाव आयोग सुरक्षा व्यवस्था मे कोनो तरहक कोताही नहि करत।
    आगामी चुनाव मे देखैत मतदानक दिन अतिसंवेदनशील और नक्सल प्रभावित क्षेत्र मे सुरक्षा बल हेलीकाॅप्टर सं निगराी रखताह। संगहि वोट सं सेहो बाढि़ प्रभावित क्षेत्र मे नजैर राखल जायत। सुरक्षा व्यवस्था मे घुड़सवार सैनिक कें सेहो उतारवाक तैयारी चुनाव आयोग कय रहला अछि। अपनकें बता दी जे 29 नवंबर कऽ वर्तमान सरकारक कार्यकाल समाप्त भय रहल अछि आ एहन मे 29 तारीख तक बिहार मे सरकारक गठन हैब आवश्क अछि।
    चुनावक तिथी पर नेता सबहक प्रतिक्रिया
    बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक चुनाव तिथीक पर संतोष जतावैत कहला जे हम पूर्ण तरहें चुनावक लेल तैयार छी त दोसर दिस जेडीयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव अहि निर्णय पर असंतुष्टि जतौलनि अछि। शरद यादवक मुताबिक पांच चरण बहुत बेसी होइत छैक आ चुनाव अयोग कें चुनाव कें एतेक लंबा नहि लय जेचाक चाहि छल। ओमहर बीजेपी सहित समस्त अन्य दल चुनाव आयोगक अहि निर्णय पर संतोष जतौलक अछि। बिहार विधानसभा चुनावक हर खबैर सं जुड़ल रहवाक लेल बनल रहु मिथिल मिररक संग।