संपन्न भेल मैलोरंगक सांस्कृतिक कार्यक्रम आ पत्रिकाक विमोचन

    0
    474

    दिल्ली, मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः भारतक राजधानी दिल्ली में रंगमंच, मिथिलाक लोककला, भाषा आओर संस्कृति, साहित्य के उत्थान के लेल राष्ट्रीय स्तर पर सक्रिय संस्था ’मैलोरंग’ के तत्वाधान में रविदिन साँझ 6 बजे सं मंडी हाउस के श्रीराम सेंटर में राम विवाह प्रसंगक पर आधारित भव्य ’कथा संकीर्तन’क आयोजन कएल गेल। एहि भव्य कथा संकीर्तनक प्रस्तुति श्री सीताराम विवाह संकीर्तन मंडल मधुबनी के द्वारा देल गेल। कथा कें दरमियान ऑडिटोरियम के माहौल भक्तिमय भय गेल छल जेना बुझा रहल छल जे हमरालोकनि दिल्ली में नहि जनकपुर मे बैसल छी। एहि मंडल में शामिल, संयोजक-ब्रजेश कुमार मिश्र एवं कौशल जी,व्यास -रास बिहारी मिश्र एवं राम मिलन जी, आ अन्य सदस्य लोकनि योगदान छलन्हि।

    कथा संकीर्तन सं पूर्व मैलोरंग द्वारा मैथिली रंगमंच के सिद्धहस्थ हस्ताक्षर कुणाल मूल नाम शिव नारायण झा कें मैथिली रंगमंच में अभूतपूर्व योगदानक लेल वर्ष 2013 के ज्योतिश्वर सम्मान सं सम्मानित कएल गेलनि। संगहि मैथिली रंगमंचक मुख्य अभिनेता, वर्ष 2013 में आएल मैथिली फिल्म ’छुटत नइ प्रेमक रंग’ निर्देशक के तौर पर कार्य कय चुकल संतोष कुमार कें संहो रंगमंच में योगदानक लेल रंगकर्मी ’श्रीकांत मंडल सम्मान’ सं सम्मानित कएल गेलनि। एहि सुन्दर बेला में ऋषि कुमार ’मलंगिया’ द्वारा संपादित नव पत्रिका ’मैथिली लोक’ के विमोचन नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा कें प्रो त्रिपुरारी शर्मा द्वारा कएल गेल।