हर्षोल्लासक संग मनाओल गेल ३३म लक्ष्मी पूजा महोत्सव

    0
    337

    दिल्ली,मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइः विशेष प्रचलनमे लक्ष्मी पूजा दीयाबातीक राति मे मनाओल जाइत अछि मुदा मधुबनी जिलान्तर्गत रहिका प्रखंडक बेलाम गाममे लक्ष्मी (संग गणेश आ सरस्वती) पूजाक तीन दिवसीय आयोजन (१५-१६-१७ अक्टूबर क’) वृहत स्तर पर आसिनक पूर्णिमा मने कोजगराक राति स’ तीन दिन धरि बेस धूमधाम स’ मनाओल गेल. स्थापना बर्ख १९८४ ई. मे मात्र तीन सदस्यीय समूह कुँवर चौधरी, प्रदीप कुमार झा आ मोहन ठाकुरक संयोजनमे “श्री श्री १०८ कोजागरा लक्ष्मी पूजा समिति,बेलाम (नवटोल),मधुबनी” केर तत्वाधानमे प्रारम्भ भेल ई पूजा समस्त ग्रामीणक सहयोग स’ प्रतिवर्ष उल्लासपूर्वक आयोजित होइत आबि रहल अछि. संस्थाक अध्यक्ष सह कोषाध्यक्ष बेलाम निवासी ओ बलिया पंचायत केर वर्तमान मुखिया अनिल कुमार चौधरी तन-मन-धन स’ मिथिला रीतिक अनुसार पूजा-पाठ हेतु समर्पित देखल जाइत छथि.
    “मिथिला मिरर” केर फीचर एडिटर मनीष झा बौआभाइ स’ फोन पर बातचीतक क्रममे संस्थाक सचिव प्रदीप कुमार झा (संस्थापक सदस्य) जनतब देइत कहलनि जे हमरा लोकनिक एहि पूजा विशेषक पुजारी कुँवर चौधरी (संस्थापक सदस्य) आ पुरोहित दुर्गा झा विगत ३३ बर्ख स’ निरंतर पूजन विधिक पूर्ण आस्था आ शुचिताक संग निर्वाह करैत आबि रहला अछि. तीन दिनक एहि आयोजनमे सविधि पूजा-पाठ आ नित्य संध्या काल ६ बजे स’ ८ बजे धरि कीर्तन-भजन हएब सुनिश्चित अछि. उक्त संस्था द्वारा आयोजित त्रिदिवसीय आयोजनमे पूजा-पाठ, कीर्तन-भजन केर संग-संग लोक मनोरंजन हेतु सांस्कृतिक कार्यक्रमक तीन रातिमे दू राति मिथिलाक प्रसिद्ध लोकगाथा आल्हा-ऊदल केर प्रस्तुति आ तहिना एक राति मैथिली गीत-संगीतक प्रस्तुति होइत आबि रहल अछि. गाम आ शहर मिश्रित जीवन जीनिहार मैथिल जत’ अपन संस्कृति आ लोकगाथा स’ दूर भेल जा रहल छथि ओही ठाम ठेंठ ग्रामीण परिवेश मे जीवन यापन केनिहार सुच्चा मैथिल अपन संस्कृति ओ लोकगाथा के संरक्षण हेतु तत्पर देखल जाइत छथि.

    आने साल जेंका अहू बेर आल्हा-ऊदल केर पहिल दू-रातिक प्रस्तुति बेस सफल रहल. तेसर आ अंतिम राति मैथिली गीत-संगीतक प्रस्तुति युवा हृदय मध्य तेजी स’ लोकप्रिय बनल गायक सह अभिनेता माधव राय आ विकास झाक समूह द्वारा कएल गेल. आयोजनक सफलताकें साक्ष्य स्थानीय ओ दूर-दराजक पाँच हज्जार स’ बेसी दर्शकक उपस्थिति एवं सर्वजातीय समावेशक संग-संग ग्रामीणक एकजुटता कें स्वप्रमाणित करैत अछि. तीन दिनक भव्य आयोजनमे रमि गेल आयोजक,दर्शक ओ कार्यकर्ता लोकनि द्वारा सम्पूर्ण आस्थाक संग चारिम दिन मूर्ति विसर्जनक संग-संग एहि पूजा महोत्सवक सफलतापूर्वक सम्पादन कएल गेल.