नहैर टूटला सं 50 एकड़ फसल डूबल

    0
    554

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: केनगर प्रखंडकें केजीडी नहैरमे काझाक समीप सोमदिन मध्य रात्रि पूर्वी बान्ह टूटला सं लगभग 50 एकड़मे लागल मकई, गहूम आ सरसोकें फसल जलमग्न भए गेल। नहैर टूटला सं दर्जनभरि घरमे पानि भरि गेल। मजराक मुखिया बबली देवी, पूर्व मुखिया संतोष कुमार मिश्र मौका पर पहुंचकय विभागक कनीय अभियंताकें सूचना दय बजौलनि।

    नहरिक पानि ककरजान गाममे पहुंचल त खलबली मचि गेल। जाहि सं लगभग 50 एकड़ सं अधिक खेतमे पानि घुसि गेल। अहिमे मो. तमीज, मो. तबरेज, मो. आलम, मो. नजाम, मो. मारूफ उर्फ बेचन, रामशरण यादव, परवेज आलम, मसलेउद्दीन, मो. इब्राहिम, मो. हशीर, राजेंद्र पासवान, अब्दुल वाहिद, जैनउद्दीन, खबीर, तसीद, आबिद, नजीर, क्याम पासवान, इदरीश, मजीद, रउफ, दीपन साह, मो. मंसूर, जैनुल, परवेज, असलम, मो. अजीम, मन्नान, बालदेव पासवान, मोहिउद्दीन, फिरोज सहित 50 सं अधिक किसानक मकई, गहूंम, सरसोक फसल जलमग्न भए गेल अछि।