निकाय चुनावक पहिल चरणमे 64 प्रतिशत भेल मतदान, 290 गोटे गिरफ्तार

    0
    240

    मिथिला मिरर: बिहारक 35 जिलामे रविदिन नगर निकाय चुनावक पहिल चरणक मतदान भए गेल। पहिल चरणक लेल कुल 5108120 मतदाता 12978 प्रत्याशीके भाग्यक फैसला कए देलनि। आब मतगणनाक दिन अहि राजक पर्दाफाश होएत कि जीतक सेहरा ककरा माँथ पर सजत। प्रत्याशीमे 6890 महिला सेहो शामिल अछि। पहिल चरणमे कुल 64 प्रतिशत मतदान भेल। 

    बिहारमे ई दोसर निकाय चुनाव अछि, जाहिमे महिलाकें 50 प्रतिशत आरक्षण देल गेल अछि। मतदानक लेल कुल 5306 बूथ बनाओल गेल छल। चुनाव आयोगके अनुसार मतदाताकें उम्मीदवारक जानकारी देबाक लेल सब वार्डमे 10 स्थान पर फ्लैक्स लगाओल गेल छल।

    अहि जानकारीकें आयोगक वेबसाइट पर सेहो अपलोड कएल गेल छल। प्रत्येक नगर परिषद एवं नगर पंचायतमे एक-एक तथा प्रत्येक नगर निगम क्षेत्रमे दू-दू टा आदर्श मतदान केंद्रक स्थापना कएल गेल छल।