फिल्म जगत बिहारक तमाम नकारात्मक पहलू के भजा चुकल अछि: नरेन्द्र झा

    0
    324

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार फिल्म फेस्टिवल 2016 मे बुधदिन हैदर, घायल वन्स अगेन, फोर्स-2 फेम अभिनेता नरेंद्र झा शामिल भेलाह। ओ फिल्मक विषय मे कहलनि जे, सिनेमा मूलत: आय बाजार सं प्रभावित अछि आ बाजारक हिसाब सं सिनेमा बिहारक तमाम नकारात्मक पहलु के भजा लेलक अछि।

    ओ कहलनि जे, चूकि निगेटिव हमेशा आकर्षित करैत अछि आ अहि सं बाजार के मुनाफा होइत अछि। ताहि दुआरे आय सिनेमाक फोकस सं बिहार बाहर अछि। सिनेमा मे बिहारक छवि विषय पर चर्चा के दौरान ओ कहलनि जे, सिनेमा समाजक आइना होईत अछि, अहि के माध्यम सं स्वं के देखनाइ जरूरी अछि। बिहार मे सिनेमाक नाम पर भोजपुरी, अंगिका, मैथिली, मगहीक बंटवारा भय गेल अछि, मुदा महाराष्ट्र मे बनय वला फिल्म सिर्फ मराठी होईत अछि। अहि बात के बुझय पड़त।

    अहि सं पहिने ‘जब वी मेट’, ‘रॉकस्टार’, ‘हाईवे’, ‘तमाशा’ एहेन फिल्म बनाबय वला इम्तियाज अली बिहार फिल्म फेस्टिवल मे शामिल हेबाक लेल बिहार एलाह।