mithilamirror@gmail.com
+919560295811

बौरहवाक डम-डम डमरूक संगीत पर सतत् आनंदे रहता ‘‘मधुकर’’

दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिलाक लेल बुधदिन निश्चित रूपहि कारि स्याह दिन मानल जाएत, कारण कालांतरमे जिनकामे बाबा विद्यापतिक स्वरूपम झलकैत छल ओहने हस्ताक्षर मधुकांत झा ‘‘मधुकर’’ हमरा लेाकनिकेँ छोइर अनंत यात्रा पर निकलैत भेलाह। बाबा नीलकंठक अनन्य भक्त, भक्ति गीतक महान रचैयता, आदर्श शिक्षक आ एकटा जीवैत व्यक्तित्व मधुकांत झा ‘‘मधुकर’’ मूल रूपसँ मिथिला, बिहारक सहरसा … Continue reading बौरहवाक डम-डम डमरूक संगीत पर सतत् आनंदे रहता ‘‘मधुकर’’

अटलांटा मैथिल ग्रुप्स अमेरिका धूमधाम सँ मनौलक फगुआ मिलन समारोह

अटलांटा,संयुक्त राष्ट्र अमेरिका, मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः अमेरिकाक अटलांटा शहरमे ओहिठामक शनिदिन आ अपना अहिठामक रविदिन होरी धूम-धामसँ मनाओल गेल। ओना तऽ होरी 12-13 मार्च कऽ पूर्णिमा दिन छल मुदा होरीक बाद पहिल रवि आ छुट्टी रहलाक कारणेँ अटलांटामे बसल प्रवासी मैथिल लोकनि एकत्र भए जमिकऽ होरी मनौलनि। अटलांटा शहरमे अटलांटा मैथिल ग्रुप्स द्वारा ई … Continue reading अटलांटा मैथिल ग्रुप्स अमेरिका धूमधाम सँ मनौलक फगुआ मिलन समारोह

ललित दिवस पर ललित सम्मान सँ सम्मानित हेताह अशोक झा

दिल्ली-मिथिला मिररः मथिलालोक फाउन्डेशन दिल्ली, केर तत्वावधानमे आगामी दिनांक ०२ फरवरी, २०१७ यथा बुधदिन मिथिला-पुत्र एवं पूर्व रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र जीकजन्मदिनक अवसर पर ललित-सम्मान समारोह आयोजित होमय जा रहल अछि। एहि सम्मान समारोहमे मिथिला-मैथिलीक सर्वांगीण विकास हेतु प्रतिबद्ध मैथिल सेनानीके ललित-सम्मान सँ सम्मानित करबाक व्यापक कार्यक्रम, वस्तुतः ललित बाबू द्वारा निर्गत कयल गेल मिथिलांचलक … Continue reading ललित दिवस पर ललित सम्मान सँ सम्मानित हेताह अशोक झा

कोलकाता मे ‘मैथिल युवा सामाजिक विकास मंच’क महा बैसार

दिल्ली, मिथिला मिरर: ‘मैथिल युवा सामाजिक विकास मंच’ के पूर्व निर्धारित कार्यक्रमक अनुसार मंच के महा बैसारक आयोजन जोश आ उत्साहपूर्ण महौल मे कोलकाताक टैगोर पार्क मे संतोष मिश्राक संरक्षण मे ओउर प्रेम नारायण झा केर अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल। अहि बैसार मे संगठनक माननीय पदाधिकारी गणक अतिरिक्त कतेको उत्साही सदस्य आ स्थानीय कार्यकर्ता लोकनि भाग … Continue reading कोलकाता मे ‘मैथिल युवा सामाजिक विकास मंच’क महा बैसार

मैथिली कथा के संजीवनी दैत अछि ‘सगर राति दीप जरय’

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: ‘सगर राति दीप जरय’ के माध्यम सं मैथिली कहानी के बचेबाक प्रयास कायल जा रहल अछि। ई स्वत: स्फूर्त कार्यक्रम अछि। अहि मे शामिल होबय वला साहित्यकार के कोनो तरहक पारिश्रमिक आदि नहि देल जाइत अछि, बल्कि स्वं खर्च कय लोक आयोजन मे पहुंचैत छथि। ई मैथिली संस्कृति आ साहित्य के बचेबाक प्रयास अछि, जकरा प्रेरणा भले … Continue reading मैथिली कथा के संजीवनी दैत अछि ‘सगर राति दीप जरय’

मिथिला रत्नसँ सम्मानित भेलाह अशोक झा

मिथिला मिरर: विदित हो कि अति प्राचीन व मीठगर मैथिली भाषाकें भारतीय संविधानक आठम अनुसूचिमे तत्कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीजी द्वारा क्रमशः लोकसभा व राज्यसभामे ध्वनिमतसँ पारित करबाके संवैधानिक दर्जा दिआओल गेल छल। २२ दिसम्बर, २००३ कें लोकसभा एवं २३ दिसम्बर, २००३ कें राज्यसभामे प्राचीनतम मैथिली भाषाकें संवैधानिक स्तर पर स्वीकार करैत करोड़ों मैथिली भाषा-भाषीकें … Continue reading मिथिला रत्नसँ सम्मानित भेलाह अशोक झा

धीरेन्द्र प्रेमर्षि भेलाह सरस्वती-राजनारायण कला पुरस्कार सँ सम्मानित

दिल्ली, मिथिला मिरर: मंगलदिन जनकपुरमे श्री रामानन्द युवा क्लवक 31’म वार्षिकोत्सवक अवसरपर सरस्वती राजनारायण प्रतिष्ठानक दिस सँ स्थापित पुरस्कार 2072 सालक लेल धीरेन्द्र प्रेमर्षि के देल गेल, संगहि 2073 सालक ई पुरस्कार बुच्ची (प्रियंका) केँ देल गेलन्हि। ओतहि क्लवक दिस सँ स्थापित विद्यापति पुरस्कार डा. सुरेन्द्र लाभ आ श्यामसुन्दर शशिकेँ भेटलनि। पुरस्कार प्राप्तिक बाद धीरेन्द्र प्रेमर्षि कहलनि जे, जनकपुर … Continue reading धीरेन्द्र प्रेमर्षि भेलाह सरस्वती-राजनारायण कला पुरस्कार सँ सम्मानित

एनएआई केर 24म वार्षिकोत्सव सम्मान समारोहमे सम्मानित भेलाह अभिषेक मिश्र

दिल्ली-मिथिला मिररः नई दिल्लीक एनडीएमसी कन्वेंशन हाॅलमे न्यूज पेपर एसोसिएशन आॅफ इंडियाक 24म वार्षिकोत्सव आ सम्मान समारोहमे उन्नत भारत सोशल वेलफेयर सोसइटीक संस्थापक अभिषेक मिश्रकें सम्मानित कैल गेलनि। 2 दिसंबर कऽ आयोजित अहि सम्मान समारोहमे अभिषेकक संग-संग विभिन्न क्षेत्रमे कार्य कऽ रहल बहुतो गेटे कें सम्मानित कैल गेलनि। पैछला करीब सात-आठ साल सं गैर सरकारी … Continue reading एनएआई केर 24म वार्षिकोत्सव सम्मान समारोहमे सम्मानित भेलाह अभिषेक मिश्र

दिल्लीक व्यापार मेलामे आकर्षणक केन्द्र बनल अछि मिथिलालोक पाग

दिल्ली-मिथिला मिररः ओना त दिल्लीक प्रगति मैदानमे हर बरख लगैवला व्यापार मेलामे मिथिला-मैथिलीक झलकी त देखवामे भेटते रहल अछि मुदा अहि बेरक व्यापार मेलामे मिथिलाक सतरंगा पाग आम लोकक संग-संग विदेशी पाहुन लोकनिक बीच सेहो अति लोकप्रिय बनल अछि। 25 नवंबर कऽ मिथिलालोक आ क्राफ्ट म्यूजियम द्वारा संयुक्त संवाददाता सम्मेलन कैल गेल। संवाददाता सम्मेलनकें संबोधित … Continue reading दिल्लीक व्यापार मेलामे आकर्षणक केन्द्र बनल अछि मिथिलालोक पाग

विश्व मैथिल संघ बुराड़ी धूम-धाम सं मनौलक छठम विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली,मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइः २६ नवम्बर २०१६ क’ विश्व मैथिल संघ,बुरारी,दिल्ली द्वारा छठम विद्यापति स्मृति पर्व समारोह बेस धूमधाम स’ मनाओल गेल. मैथिलीक प्रसिद्ध गीतकार आदरणीय रविन्द्र ठाकुरक करकमल स’ दीप प्रज्ज्वलनक उपरान्त मंच पर स्थापित महाकवि बाबा विद्यापतिक चित्र पर पुष्प माल्यार्पणक उपरान्त संस्थाक सदस्य लोकनि ओ उपस्थित दर्शक द्वारा महाकवि रचित गोसाओनिक गीत “जय-जय … Continue reading विश्व मैथिल संघ बुराड़ी धूम-धाम सं मनौलक छठम विद्यापति स्मृति पर्व समारोह