लहेरियासरायमे आइसा केलक सड़क जाम

    0
    272

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः दरभंगा-लहेरियासरायमे वाहन चालक द्वारा लेल जा रहल मनमाना किराया लेबाक कारणे छात्र संगठनक तत्वावधान दरभंगा-समस्तीपुर पथ कें घंटों धरि जाम रखलक। छात्र आऽ आम नागरिक कें कहब अछि कि मनमाना किराया सं छात्र कए समस्या उत्पन्न भ रहलनि अछि, चाहे बस होइ या टेम्पू सभ मनमाना ढंग सं किराया वसूली कऽ रहल अछि।
    लगभग दू घंटा जाम रहला सं यातयात व्यवस्था रूकल रहल, बाद मे सदर एसडीओ मौका पर पहुँचि कऽ वार्ता कएलनि आऽ जाम कए हटाओल गेल। जामकऽ नेतृत्व गौतम, शिव कुमार, नरसिंह समेत बहुतो छात्र लोकनि कएलनि आऽ संगहि माँग पत्र डी.टी.ओ आऽ एस.डी.ओ कए हाथ सौंपल गेल।