अटलांटा मैथिल ग्रुप्स अमेरिका धूमधाम सँ मनौलक फगुआ मिलन समारोह

    0
    508

    अटलांटा,संयुक्त राष्ट्र अमेरिका, मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः अमेरिकाक अटलांटा शहरमे ओहिठामक शनिदिन आ अपना अहिठामक रविदिन होरी धूम-धामसँ मनाओल गेल। ओना तऽ होरी 12-13 मार्च कऽ पूर्णिमा दिन छल मुदा होरीक बाद पहिल रवि आ छुट्टी रहलाक कारणेँ अटलांटामे बसल प्रवासी मैथिल लोकनि एकत्र भए जमिकऽ होरी मनौलनि। अटलांटा शहरमे अटलांटा मैथिल ग्रुप्स द्वारा ई चारिम होली मिलन समारोह मानायल गेल। हालांकि अहि बेस अटलांटा मैथिल समाजकेँ अहिकेँ लेल एक सप्ताह प्रतीक्षा करय पड़लनि।
    की बूढ़, की जवान आ की नेन्ना-भुटका सब एकहि रंगमे रंगल छलाह। सब कियो रंग-बिरंगक रंगमे रंगल मौज-मस्तीमे लीन रहलाह। अपन देश-परदेस सँ दूर अटलांटामे रोजगारक लेल बसल प्रवासी मैथिलजनकेँ अहि दिनक विशेष इंतजार रहैत छैन्ह। होरीक विषयमे कहल जाइत अछि जे अहि दिन हमरा सब साल भरिक दुश्मनीकेँ बिसरी एक-दोसराकेँ अपना हृदयसँ लगा लैत छी। ओना कहल जाइत अछि ‘जे जीवैय से खेलैय फाउग’
    होरीक दिन रंग खेलेनाइ मात्र मकसद नहि रहैत अछि। अहिसँ इतर ई रहैत अछि जे अपन माटि-पाइन सँ दूर रहितो अपन पावैन तिहार आ सभ्यता, संस्कृतिकेँ जीया कऽ राखल जाय, संगहि अपना बच्चामे सेहो अपन सभ्यता-संस्कृतिकेँ ज्ञान देल जाय। ओना अहि बरखक फगुआ मिलनमे पूआ, पकमानक सँग-सँग माउसक सेहो उत्तम व्यवस्था छल। समस्त समाज खूब होरी खेलेलाह आ अंतमे सामूहिक फोटो खिचा सब अपन-अपन घर जाइत भेलाह।