mithilamirror@gmail.com
+919560295811

साहित्यिक चौपाड़ि जनकवि यात्री जीक जयंती विशेष

| साहित्य/समीक्षा

दिल्ली, मिथिला मिरर-रामबाबू सिंह: क्रान्तिकारि जनकवि बाबा नागार्जुनक जयंती उप्लक्षमे मैथिली साहित्यिक चौपाड़ि दिल्ली माध्यमे आई इंडिया गेट पर काव्य गोष्टीक आयोजन कएल गेल जाहिमे पछिला बेर सँ बहुत बेसी संख्या देखल गेल आ ताहू सँ हर्षक विषय ई जे अहिमे सँ 11 गोट नव कवि छलाह। मैथिली अनुरागी कवि लोकनिक उपस्थिति जाहि तरहे बढ़ि रहल अछि, ओ दिन दूर नहि जहिया हमर सभक संख्या तीन अंकमे पहुँच जाए।
कल्हुका काव्यपाठक संयोजक आनंद मोहन झा, श्याम झा आ नीरज कुमार ‘नीरज’छलाह। बाबा यात्री जीक फ़ोटो पर माल्यार्पण उपरांत काव्यपाठके विधिवत शुरुआत कएल गेल। लगभग 2 घण्टा धरि कविता आ गीतसँ वातावरण पुलकित बनल रहल। नव नव कविक एक सँ बढिकय एक रचना श्रवण करबाक अवसर भेटल। बाबाक अद्भुत रचना “भगवान हमर ई मिथिला सुख शांति केर घर हो” केर सभ ठाड़ भ गाबि चौपाड़िक समापन कएल गेल
अगिला बेर साहित्यिक चौपाड़ि डॉ शुभद्र बाबूक समर्पित कएल जाएत। तिथि 9 जुलाई साँझ 4 बजे पुनः केंद्रीय सचिवालय गेट नम्बर 3 के लगीच बाला पार्कमे होयत तकर निर्णय सर्वसम्मति सँ कएल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

*