बाबू साहेब चौधरी आ गीतकार मधुप जीक स्मृति मे राष्ट्रीय संगोष्ठी’क आयोजन

    0
    288
    दिल्ली, मिथिला मिरर:  मैथिली भारतक प्राचीनतम भाषा अछि। मैथिली एवं बांग्ला मे एक रूपता स ई स्पष्ट होइत अछि जे बांग्ला, मैथिली स प्रभावित अछि। ई बातें मिथिला विकास परिषद के तत्वावधान मे मैथिली के समर्पित योद्धा बाबू साहेब चौधरी व गीतकार काशीकांत मिश्र ‘मधुप’ जीक स्मृति मे आयोजित राष्ट्रीय संगोष्ठी के उद्घाटन करैत बांग्ला साहित्यकार रामकुमार मुखोपाध्याय कोलकाता के बड़ा बाजार लाइब्रेरी स्थित आचार्य विष्णुकांत शास्त्री सभागार मे कहलनि। 
    अहि अवसर पर पत्रकारिता के क्षेत्र मे उल्लेखनीय योगदानक लेल प्रभात खबर, कोलकाता के संपादक तारकेश्वर मिश्र तथा मिथिला मिरर के संपादक ललित नारायण झा के मैथिली पत्रकारिता सम्मान स सम्मानित कायल गेल। संगोष्ठीक अध्यक्षता करैत संस्था के अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे, मातृभाषा के असीम शक्ति आ सामर्थ्यक पहिचान कय मनुष्य सामाजिक तथा विचारवान बनि सकैत अछि।उद्घाटन सत्र मैथिली के वीर कवि राघवाचार्य के समर्पित छलनि। कामदेव झा, डॉ बुद्धिनाथ मिश्र, सियाराम झा ‘सरस’ महाकवि विद्यापति’क मूर्ति पर पुष्पांजलि अर्पित केलनि। 
    अहि अवसर पर अजय चौधरी, भास्कर झा, जुगलकिशोर झा, लक्ष्मण झा, प्रोफेसर शंकर झा व सृष्टि नारायण झा सेहो अप्पन विचार रखलनि। अहि अवसर पर प्रभात खबर, कोलकाता के संपादक तारकेश्वर मिश्र कहलनि जे, पत्रकारिता’क दायित्व समाज के जोड़ैत अछि। मौका पर मिथिला महिला मंच के द्वारा मैथिली गीत-गायन प्रतियोगिता मे विजयी आशा मिश्र, गीता मिश्र, कुमार अंबे झा, निशा झा व अंजना इस्सर के मैथिली सम्मान-2016 स सम्मानित कायल गेल। अशोक झा अप्पन पिता दिवंगत चिरंजीव झा’क स्मृति मे कमलेश झा के मैथिली सम्मान स सम्मानित केलनि। 
    मिथिला के सर्वांगीण विकास के पक्षधर बाबू साहेब चौधरी पर केंद्रीत संगोष्ठी, शिक्षाविद हरिशचंद्र मिश्र ‘मिथिलेंदू’ के समर्पित सत्रक अध्यक्षता राजनंदन लाल दास केलनि। सत्र मे दिवंगत चौधरी के व्यक्तित्व पर अशोक झा, रामलोचन ठाकुर, कमलेश झा, अजय तिरहुतिया व लक्ष्मण झा सागर आलेख पाठ केलनि। मैथिली गीतकार काशीनाथ मिश्र ‘मधुप’ पर केंद्रीत संगोष्ठी सत्र, गीतकार उपेंद्र ठाकुर ‘मोहन’ के समर्पित सत्रक अध्यक्षता कृष्णचंद्र झा ‘रसिक’ केलनि। सत्र मे मधुप जीक व्यक्तित्व व कृतित्व पर डॉ बुद्धिनाथ मिश्र, सियाराम झा ‘सरस’, कमलाकांत झा, विनय भूषण ठाकुर, आमोद झा व अमरनाथ झा भारती आलेख प्रस्तुत केलनि। 
    पत्रकार-गीतकार मार्कण्डेय प्रवासी के समर्पित तीसर सत्रक अध्यक्षता मिथिला महिला मंचक अध्यक्ष शैल झा केलनि। संचालन गोपीकांत झा मुन्ना व रूपा चौधरी केलनि। धन्यवाद ज्ञापन कामेश्वर झा कमल केलनि। अहि अवसर पर पवन ठाकुर, रमेश चंद्र झा, सुबोध ठाकुर, विनोद झा, गौरीशंकर झा, हरिवंश झा, अरुण झा, नंद कुमार झा, शिव चंद्र झा, लखनपित झा, चंद्रदीप झा, रघुवीर मिश्र, शंभुनाथ झा, अशोक ठाकुर, शिव कुमार झा, रमेश चंद्र झा, अविनीश झा, किरण प्रतिहस्त, दुर्गा देवी झा, ममता झा, मदन झा, रमेश झा, लक्ष्मीकांत तिवारी, राजकुमार चोपाल, कमलुद्दीन खान, राजकुमार झा, किरण इस्सर, नयना इस्सर, उदयकांत मिश्र, राजेंद्र झा आदि मौजूद छलाह।