बागमती नदी खतराक निशानसँ ऊपर

    0
    301

    दरभंगा, मिथिला मिरर : नेपालमे लगातार चारि-पांच दिनसँ  भ’ रहल वर्षाक असरि उत्तर बिहारसँ  निकलय बला नदी सभपर देखल जा रहल अछि। बागमती सहित कतेको नदीक जलस्तर बढ़ैत देखल जा रहल अछि।  हालाँकि बाढ नियंत्रण विभाग बाढ़ि नियंत्रणमे हेबाक बात कहलक अछि। मंगलदिन नेपालमे भेल अत्यधिक वर्षाक कारण बुधदिन 1 अगस्त क’ वाल्मीकिनगर बैराजसँ लगभग सवा लाख क्यूसेक पानि गंडक नदीमे छोड़ल गेल अछि जाहि कारण गंडक नदीक जलस्तरमे वृद्धि देखल जा रहल अछि। बागमती नदी सीतामढ़ी बैरगनियाक ढेंग रेलवे पुल लग खतराक  निशानसँ उपर बहि रहल अछि हालाँकि चंदौलीमें अधवारा समूह आ सोनबरसामे झेम नदी खतराक निशानसँ नीचा देखल गेल अछि। मधुबनीक जयनगरमें कमला नदी आ कोसी नदी सेहो खतराक निशानसँ  उपर बहि रहल अछि ओतहि दरभंगाक एकमीघाट आ मुजफ्फरपुरक गायघाटमे खतराक निशानसँ उपर बहि रहल अछि। लगभग सभ नदीक इहे हाल अछि जाहि कारण दरभंगा, मधुबनी, सीतामढ़ी सहित कोसी क्षेत्रमे बाढिक खतरा बाढि गेल अछि।  बिहार सरकारके मुताबिक बाढ़ि एला पर हर संभव मददक लेल एनडीआरएफक टीम तैयार अछि संगे राहत सामग्रीक पूर्ण व्यवस्था अछि।