एशिया कप टी-20 फाइनलमे भारत आ बांग्लादेशक बीच मुकाबला आइ

    0
    300

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश कुमार झाः बांग्लादेशक राजधानी ढाकाकें मीरपुरमे रविदिन सांझ एशिया कप कें टी-20 मैचक फाइनलमे भारत आ बांग्लादेशक बीच सीधा टक्कर हैत। पैछला किछु समय सं बांग्लादेश विश्व क्रिकेट मे लगातार बढि़या प्रदर्शन कय रहल अछि। त दोसर दिस टी-20 फाॅर्मेटक नंबर एक टीम भारतक वर्तामन फाॅर्मक आगू बांग्लादेशक बहुत छोट नजैर आबि रहल अछि मुदा क्रिकेट सदिखन अनिश्चिताताक खेल अछि आ अहिमे किछु भय सकैत छैक।
    भारतकें बांग्लादेश सं किछु हिसाब सेहो चुकता करवाब छै आ भारतीय कप्तान महेंद्र सिंह धोनीक लेल अहि सं नीक समय शायद नहि भय सकैत छन्हि। अगर भारत एशिया कप टी-20कें फाइनल जीतैत अछि त भारत मे शुरू भय रहल टी-20 विश्व कें विजेता बनवाक सब सं प्रबल दाबेदार बनि जायत। मिथिला मिरर लगातार अहि खबैर पर नजैर बनौने अछि आ अपने लोकनि तक मैचक एक-एक पलक जानकारी मिथिला मिररक ट्वीटरक माध्यम सं अपने सब कें भेटैत रहत आ मैच समाप्त भेलाक बाद पूरा विश्लेषण लय हम अपने सोंझा आयब।