शाम्हो दियारामे घूसल बाढ़िक पानि, कएक बिघामे लागल फसल डूबल

0
378
DJLVFF¸WFZÔ IZY £FZ°FFZÔ ¸FZÔ §F¼ÀFZ ¶FFPXÞ IZY ´FF³Fe ÀFZ ¸F½FZVFe IYF ¨FFSF IYFMXIYS »FZ ªFF°FF EIY dIYÀFF³F

बेगूसराय, मिथिला मिरर : पछिला दू दिनसँ गंगा आ क्यूल नदीमे बाढ़िक पानि बढ़बाक  कारणे  बेगूसरायक शाम्हो दियाराक सैकड़ों बिघामे लागल फसल जेना मकई, सोयाबीन आदि डूबि गेल। गंगा नदीक संग-संग बरसाती नदीक जलस्तर बढ़लासँ चौधरायन पट्टी, राजापट्टी निचली, बहिआरमे सोमदिनसँ बाढ़िक पानिक प्रवेश शुरू भ’ गेल अछि, जाहिसँ सरलाही आ टोटहा गामक किसानकेँ  मकई आ सोयाबीनक फसल पानिसँ भरि गेल।  किसान सभ अपन फसलके  काटि क’ माल-जालकेँ  खुआवय लागल छथि। पानि बढ़लाक कारण अकहा-कुरहाकें लोक सभकेँ बड्ड बेसी कठिनाइक सामना करय पड़ि रहल छनि। कुरहाके दक्षिण आ पूबक खेत सभमे पानि भरि जेबाक कारण लोकसभकेँ सूर्यगढ़ा बजार आबा-जाहिमे सेहो दिक्कतक सामना करय परि रहल छनि। जँ जलस्तर बढ़बाक रफ्तार अहिना रहत त’ राइत धरि अकहा-कुरहा, नया कुरहा, धनहा, सोनवर्षा, तिलाठी, सिसबन्नी, टोटहा आ ओजन टोलाक सड़क मार्गसँ संपर्क कटि जेबाक संभावना अछि। लोकसभ जिला प्रशासनसँ सरलाही ढ़ाबमे नाउक माँग केलक अछि।