कामरेड भोगेन्द्र झा स्मरण कयल गेलाह

    0
    302

    कोलकाता, मिथिला मिरर: मिथिलाक सपुत, मैथिलक सुच्चा सिपाही मिथिलाक सर्वांगीण विकासक योद्धा, पूर्व साँसद स्व. काॅमरेड भोगेन्द्र झा जीक जन्म दिवसक उपलक्ष्य मे “मिथिला विकास परिषदक” तत्वावधान मे स्मृति सभाक आयोजन कयल गेल। स्मृति सभाक अध्यक्षता परिषदक अध्यक्ष श्री अशोक झा कयलनि।

    एहि अवसर पर उपस्थित श्रोता बंधु कें सम्बोधित करैत अशोक झा कहलनि जे काॅमरेड भोगेन्द्र झा मिथिला-मैथिलीक विकासक मुद्दा पर कहियो ककरो सँ समझैता नञि कयलनि। कृष्णचंद्र झा ‘रसिक’ काॅमरेड भोगेन्द्र झा जीक त्याग और कर्मठता के स्मरण करैत उद्गार व्यक्त करैत भोगेन्द्र बाबू कें सम्पूर्ण भारतक सर्वमान्य नेताक रूप मे दलित मजदुर-वर्गक हेतु कयल गेल जीवनपर्यन्त संघर्षक लेल कयल गेल योगदान कें स्मरण कयलनि।

    एहि अवसर पर “मिथिला विकास परिषदक” सचिव नबो नाथ झा, मदन चौधरी, रमेश झा, गोपी कान्त झा “मुन्ना”, विनय प्रतिहस्त, ऊदय कान्त मिश्र आदि उपस्थित छलाह।