बिहार इंटरमीडिएटकें प्रायोगिक परीक्षा 27 मार्च सं

    0
    262

    मधुबनी, मिथिला मिरर-निशांत झा: इंटरमीडिएटकें वार्षिक परीक्षा दए चुकल कला, विज्ञान एवं वाणिज्य संकायकें परीक्षार्थिक प्रायोगिक परीक्षा आब आगामी 27 मार्च सं 08 अप्रैल धरि संबंधित महाविद्यालय एवं विद्यालयमे होएत।

    बिहार विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा पूर्वमे घोषित परीक्षा कार्यक्रमक अनुसार प्रायोगिक परीक्षाक तिथि पहिने 15 सं 25 मार्च तक निर्धारित छल। पूर्वमे घोषित कार्यक्रमक अनुसार इंटरमीडिएटकें परीक्षार्थी दू दिन सं सुदूर देहात सं आबि कए भारी संख्यामे अप्पन कॉलेज सं वापस जा रहल छल। कियैक कि बीएसईबी निर्धारित अवधिमे प्रायोगिक परीक्षा संचालनक तैयारीमे विफल साबित भेल अछि।

    प्रायोगिक परीक्षा सं संबंधित कोनो तरहक मेटेरियल बोर्ड द्वारा डीईओ कार्यालयकें उपलब्ध नहि कराओल जा सकल आ ने अहिकें विषयमे कोनो निर्देश देल गेल। जाहि सं जिलाक इंटर प्रायोगिक परीक्षामे भाग लेबाक लेल पहुंचल परीक्षार्थीकें बिना परीक्षा देने वापस जाए पड़ल। आब बोर्ड द्वारा पूर्व सं निर्धारित तिथिमे परिवर्तन कय नब तिथिक घोषणा कएल गेल।