बिहार स्टूडेंट यूनियन जिला प्रशासन के खिलाफ करत आंदोलन

    0
    285

    शिवहर, मिथिला मिरर: शुक्रदिन शिवहर के ट्रेनिंग स्कूल रोड स्थित ऑल बिहार स्टूडेंट यूनियन के कार्यालय मे एबीएसयू के जिला कार्यकारणीक बैसार अध्यक्ष आर्यन चौहान के अध्यक्षता मे भेल। जाहि मे जिलाक ज्वलंत मुद्दा पर चर्चा भेल। बैसार मे डिग्री कॉलेज आ छात्रावासक माँग सबस अधिक चर्चाक विषय रहल।

    बैसार मे जिलाक तमाम कोचिंग संस्थानक प्रमुख तथा सैकड़ो छात्र भाग लेलनि। मौका पर आर्यन चौहान जिला प्रशासन के चेतावनी दैत कहलनि जे, सरकार आ जिला प्रशासन शिक्षाविरोधी निति अपना रहल अछि, यदि अगिला 25 अक्टूबर तक जिला प्रशासन द्वारा डिग्री कॉलेजक सत्र नवाब उच्च विद्यालय मे नहि शुरू करवाओल गेल त एबीएसयू जिला मुख्यालय के घेराव तथा आंदोलन करत।