मोटरसाइकिल सवार अपराधी मारलक सात गोटे के गोली

    0
    270

    मोतिहारी, मिथिला मिरर: मोतिहारी के पकड़ीदयालक सिरहा कोढी गाम मे शुक्रदिन साँझ मे मोटरसाइकिल सवार अपराधी अत्याधुनिक हथियार सं अचानक सात गोटे पर फायरिंग करय लागल।

    गोलीबारी मे दंपति समेत चारि गोटेक मौत भय गेल, जहन कि तीन गोटे घायल छथि। जख्मी हालत मे इलाजक लेल मोतिहारी अस्पताल अनबाक दौरान मछुआ संघक प्रखंड अध्यक्ष भिखारी सहनीक संग हुनकर पत्नी आ पोता समेत चारि लोकक मौत भय गेल। घायलक इलाज रहमानिया मेडिकल सेंटर मे चलि रहल अछि।

    पुलिसक कहब अछि जे, घटनाक संबंध मे दू गोटे के हिरासत मे लय क पूछताछ कायल जा रहल अछि।गिरफ्तार कायल गेल अपराधी लग सं एकटा बन्दुक आ एकटा मोटरसाइकिल सेहो बरामद कायल गेल अछि।

    भिखारी सहनी अप्पन पत्नी चंपा देवी, पोता आर्यन आ वार्ड सदस्य राजकिशोर प्रसाद, नरेश सहनी, सूकल आ चंद के संग घरक बाहर मे बैसल छल आ कि तखनहि दू टा मोटरसाइकिल सवार अपराधी फायरिंग शुरू कय देलक।

    हत्याक पाछु पहिनहि सं चलि रहल जमीनी विवाद बताओल जा रहल अछि, जहन कि पुलिस भिखारी सहनी के पूर्वक नक्सली नेता बता रहल अछि।