दिल्ली नगर निगम चुनावमे भाजपाक पैघ जीत, कांग्रेस आ आपमे मचल खलबली

    0
    249

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्‍लीक सत्‍तामे काबिज आम आदमी पार्टीकें नगर निगम चुनावमे करारी हारक सामना करए पडि रहल अछि। एतय एक बेर फेर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक जादू दिल्‍लीक जनताकें माँथ चढ़ल अछि। एमसीडीकें तीनू निकायमे भाजपा प्रंचड बहुमत हासिल केलक अछि। रुझानक संग दिल्‍ली कांग्रेस अध्‍यक्ष अजय माकन आ आप विधायक अलका लंबा अपन-अपन पद सं इस्‍तीफा दए देलनि।

    पहिल बेर दिल्ली एमसीडी चुनाव लड़ए वला ‘आप’ दोसर स्‍थान पर आबि गेल अछि, जहन कि कांग्रेस तेसर स्थान पर। ओतहि, दिल्ली प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष आलाकमानकें समक्ष इस्‍तीफा पठा देलनि अछि।आँकड़ाकेँ अनुसार भाजपाकें 39.3, आपकें 25.8 आ कांग्रेसकें 21.2 प्रतिशत वोट भेटल अछि। रुझानकें मुताबिक, तीनू नगर निगमकें मतगणनामे 185 सीट पर भाजपा, पर 46 आम आदमी पार्टी, 28 पर कांग्रेस आ 11 पर अन्य आगू अछि। ओतहि, ऐहेनमे दिल्लीमे सत्तासीन आम आदमी पार्टीके मुखिया आ मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवालकें तगड़ा झटका लागि सकैत अछि।

    उत्तरी दिल्ली नगर निगममे भाजपा 66 सीट पर जीत हासिल केलक अछि, आम आदमी पार्टी 21 आ कांग्रेस 14 सीट पर जीतल अछि तथा 3 सीट अन्यके खातामे गेल।