खराप कानून-व्यवस्थाकें खिलाफ भाजपाक प्रदर्शन

    0
    270

    दरभंगा, मिथिला मिरर: अनियंत्रित कानून व्यवस्था एवं किसानक समस्याक लेल बृहस्पति दिन राजग गठबंधनकें दिस सं मंडल अध्यक्ष जीतेन्द्र कुमार झा एवं संजीव गुप्ताक संयुक्त अध्यक्षता मे बहादुरपुर प्रखंड मुख्यालय पर एक दिवसीय धरना-प्रदर्शन कायल गेल। अहि अवसर पर आयोजित सभाकें संबोधित करैत जिला अध्यक्ष हरि सहनी कहलनि जे, गत वर्ष धानक निर्धारित लक्ष्य 30 लाख टन खरीदमे राज्य सरकार फेल रहल। अहि बेर राज्य सरकार अप्पन नाकामी पर पर्दा लगेबाक लेल कोनो प्रकारक लक्ष्य निर्धारित नहि केने अछि।

    ओ कहलनि जे, किसान अप्पन धानकें बेचबाक लेल पैक्सकें चक्कर लगा रहल अछि। मुदा धान लेबाक लेल कियो तैयार नहि अछि। ओ कहलनि जे, नीतीश सरकार दलित, पिछडा एवं किसान विरोधी छथि। जिला मंत्री अशोक नायक राज्यक खराप होइत कानून व्यवस्था पर चिंता व्यक्त केलनि। संचालन पूर्व मंडल अध्यक्ष रमाशंकर प्रसाद ठाकुर केलनि।

    धरना-प्रदर्शनमे प्रभु नारायण कुंवर, जीवछ झा, ज्योति कृष्ण झा, कृष्ण भगवान झा, धर्मशीला गुप्ता, अमित झा, राजेश रंजन, विरू पासवान, मुकुंद कुमार चौधरी, सत्येन्द्र झा, जितेन्द्र लाल देव, अशेश्वर पासवान, जय प्रकाश ठाकुर, राम उदित चौधरी, विकास चौधरी, संतोष पासवान, जगदीश महतो, अशोक यादव, मनोज कुमार लाल, उमेश चौधरी आदि भाजपा कार्यकर्ता मौजूद छलाह।