भाग माल्या भाग !

    0
    289

    देशक अनेको एजेंसी माल्य कए ताइक रहल अछि, मुदा माल्या कए पकनाइ मुश्किले नहि नामुमकिन अछि। सरकार, पुलिस, सीबीआई, गुप्तचर एजेंसी सब कियो देखइत रही गेल। मुदा दु-चारि दिन बीत गेलाक बाद पता लागल जे माल्या त माल ल कए पिछला दरवाजा सं फुर्र भ गेला। अब हुनका भगला पर देश मे हल्ला मचल अछि। ऐहन पहिल बेर नहि भेल जे देशक नुकसान क कए कियो भागल हुए। अहि सं पहिले क्वात्रोची सेहो अहिना भगल छल, भोपाल गैस कांड कए मुख्य आरोपी एंडरसन सेहो भागल छल आओर हाल फिलहाल मे ललित मोदी सेहो भगला। भगव आओर भगेवाक त अपना देश मे जेना फैशन रहल अछि। मुदा माल्या आओर मोदी कए भगवाक बाद इ आओर ज्यादा फैशनेवल भ गेल, किए त इ दुनु फैशन कए प्रमी छाथि। ओना माल्या कए कहब छनि जे ओ भगोड़ा नहि छथि, मुदा ओ सब बैंकक नींद हराम कए… अपने कतय बैइसल छथि, इ नहि बता रहल छथि।

    अपन देश मे लगभग 90 हजार किसान एहन अछि जे सरकारी बैंक सं कर्ज लेने अछि आओर अहि सब किसान कए कर्जक राशि माल्या कए एक फीसदी कए बराबरो नहि होयत। मुदा किसान सं कर्ज वसूलवाक खातिर बैंक हिनका सबसं माइरपीट करेत अछि आओर हुनक गाय, बकरी आओर भैंस तक उठा कए ल जाइत अछि। किछु दिन पहिने तमिलनाडु कए एगो गांव मे गरीबी कए मारल किसान कए पुलिस अहि खातिर सबहक सामने पीटलक जे ओ मात्र 3.5 लाखक अपन कर्जक पूरा रकम नहि चुका पाइव रहल छल। फसलक बर्बादीक कारण ओ मात्र दू किस्त नहि भइर पेल ताहि खातिर बैंक ओकर ट्रेक्टर छिन लेलक आओर खुब पिटाइ सेहो केलक। आब सवाल अछि जे एक देश, एक कानून, आओर एक गुनाहक लेल अलग-अलग बर्ताव किए? किए ओकर गलती सिर्फ एतवे छल जे ओ माल्या कए जेहन रसूखदार नहि छल।

    नौ हजार करोड़ रुपइया कए लिखलाक बाद अहि मे कतेक जीरो आबइ अछि इ देशक आम आदमीक समझय मे किछु देर लागत मुदा एतेक पइघ रकम कए डूमइत सब बैंक आओर सरकार देखइत रहि गेल मुदा माल्या अपन शौक पूरा करइ खातिर लंदन उड़ि गेला। तइयो सरकार हिनका परक उचित कार्रवाइयक बदला विपक्ष कए इ बतावइ मे लागल अछि जे आहु त क्वात्रोची कए भगेने छलउ, त आब हिसाब बराबर भ गेल।

    विजय माल्या जेहन रसूखदार कए बढ़ावा देवइ मे राजनेता आइ चाहे जते एक दोसर के आरोप-प्रत्यारोप लगाबइथ मुदा एकटा बात तय अछि जे माल्या आओर हुनका जेहन आओरो कारोबारी द्वारा सरकारी पाइ हड़प कए रणनीतिक कारोबार मे कतउ ने कतउ राजनीतिक संनरक्षण जरूर अछि। ओकरे इ नतीजा अछि जे लोनक पाइ नहियो चुकेलाक बाद देश कए कतेको बैंक माल्या पर पाइयक बरसात केलक। माल्या कए संरक्षण देवइ कए मामला मे पहिलुक सरकारक भूमिका पर बात करि या फेर हुनक विदेश भगावय मे एखुनका सरकारक भूमिका पर उइठ रहल सवाल पर बात करि। एक टा बत त जरूर अछि जे सत्ता मे किछु एहन दलालक पैठ अछि जे कोनो करोबारी कए माथ पर बैइसाबइ कए लेल मोजूद रहेत अछि आओर शायद अहि खातिर एतेक भेलाक बादो माल्यक तेवर बरकरार अछि।

    कर्ज ल कए घी पीबइ बला माल्या आब विदेश मे बैइस कए नेता आ पत्रकार खेल रह छथि। मीडिया मे हुनक खिलाफ आयल खबर आओर संसद मे मामला उठबाक बाद माल्या धमकी द रहल छथि जे ओ ओहि सब लोकक खुलासा करता जे हुनका कंपनीक मुफ्त मे सेवा लेने छथि। यानी आब ओहो ललित मोदी जका रोज नया ट्वीट करता आओर मीडिया कए ब्रेकिंग देइत रहता। आब जखन तक कोनो दोसर माल्या (खबर देबय वला) मीडिया कए नहि भेटत ता धरि अहिना चैनल सब पर माल्या कथा सुनइत रहु आ आनंद लिए, मुदा एकटा बतक गाठ बइनह लिए जे जहिना क्वात्रोची, एंडरसन आओर ललित मोदी कए सरकार किछु नहि बिगाइर पेल तहिना माल्या कए सेहो किछु नहि बिगरत, जा धरि अहि देश मे क्रोनी कैपिटलिज्म रहत।

    (इ लेखकक अपन विचार छन्हि आ अहि ब्लाॅग मे संपादकीय सहमतिक कोनो आवश्यकता नहि। पत्रकार सोनू झा वाइस आॅफ नेशन देहरादून मे कार्यरत्त छथि आ किछु मैगजीन आ वेब मीडियाक लेल स्वतंत्र रूप सं सेहो लिख रहला अछि)