बीपीएससी 2017 परीक्षा’क तिथि तय, फरवरीक दोसर सप्ताह मे होयत प्रारंभिक परीक्षा

    0
    329

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार लोक सेवा आयोगक 60वीं, 61वीं एवं 62वीं के सम्मिलित संयुक्त प्रतियोगिता परीक्षा वर्ष 2017 के फरवरी के दोसर सप्ताह मे होयत। जाहि लेल सोलह टा पद के अंतर्गत रिक्तिक कुल संख्या 642 अछि। बृहस्पति दिन अहि बातक जानकारी दैत आयोगक सचिव प्रभात कुमार सिन्हा कहलनि जे, सब सं अधिक 244 रिक्ति बिहार प्रशासनिक सेवा मे अछि।

    अहि परीक्षक लेल अनारक्षित पुरुष के लेल लिए उम्र सीमा 37, अनारक्षित महिला, पिछड़ा वर्ग आ अत्यन्त पिछड़ा वर्ग पुरुष एवं महिला के लेल 40, अनुसूचित जाति एवं अनुसूचित जनजाति पुरुष आ महिला के लेल 42 वर्ष निर्धारित अछि।

    60वीं परीक्षा के लेल आयुक गणना 1 अगस्त 2014, 61वीं के लेल 1 अगस्त 2015 आ 62वीं के संयुक्त प्रतियोगिता परीक्षा के लेल उम्रक गणना 1 अगस्त 2016 के तिथि अनुसार कायल जायत। हालांकि अहि मे सं कोनो एकटा परीक्षा के आधार पर अर्हता प्राप्त उम्मीदवार के तीनू परीक्षाक लेल योग्य मानल जायत।

    परीक्षा शुल्क मे बिहार के एससी, एसटी एवं निशक्त अभ्यर्थि के लेल कुल शुल्क 150 रुपैया अछि। एकर अलावा बाकी सब श्रेणी के उम्मीदवारक लेल शुल्क 650 रुपैया निर्धारित अछि। फीस चालानक माध्यम स स्टेट बैंक ऑफ इंडिया के कोनो शाखा मे जमा करय पड़त।

    http://www.bpsc.bih.nic.in