बस हादसा मे मारल गेल लोकक आत्मक शांति के लेल निकलल कैंडल मार्च

    0
    255

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के बसैठ मे सोमदिन भेल बस हादसा मे मृत व्यक्तिक आत्माक शांति के लेल बृहस्पति दिन मिथिला स्टूडेंट यूनियन लोहिया चौक पर संस्थाक कोषाध्यक्ष विनीत कुमारक नेतृत्व मे कैंडल मार्च निकाललक। संगहि दू मिनट के मौन धारण कय मृतात्माक शांति के लेल प्रार्थना कायल गेल।

    मौके पर उपस्थित यूनियन के कार्यकर्ता आ स्थानीय लोक के संबोधित करैत प्रखंड अध्यक्ष आशीष झा चुन्नू कहल;अणि जे, ड्राईवर के गलती के कारण गाड़ी मे ओवरलोडिंग स ई दुर्घटना भेल। प्रशासन के अहि विषय पर गंभीरता स विचार करबाक जरुरत अछि। ओ कहलनि जे ओवरलोडिंग के रोकबाक लेल सख्त कदम उठेबाक जरुरत अछि। ताकि आबय समय मे अहि तरहक दुर्घटना के रोकल जा सकय।

    मौका पर यूनियन के उपाध्यक्ष अब्दुल औवल हाशमी, नितीश कश्यप, चन्द्रशेखर झा, आलोक पासवान, अनुज कुमार, गजेन्द्र कुमार, कृष्ण कुमार, शिवम कुमार, पल्लव मिश्र, शिवम कुमार, रोहित, ललन साह, अमर कुमार सहित बहुतो कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।