एतय बेटी’क जन्म पर मातम नहि जश्न होइत अछि

    0
    252

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: 21’म सदीमे सेहो बेटीक जन्म पर मातम मनबा आ कोखिमे बेटीकेँ मारबाक मानसिकता सं लोक उबरि नहि सकल अछि। मुदा कतहु-कतहु बेटीकें लक्ष्मीक अवतार मानि कय पूजबाक परंपरा से बरक़रार अछि। मुशहरी प्रखंडक पीर मोहम्मदपुर गाममे बेटीक जन्म पर सामूहिक जश्न मनाओल जाइत अछि। ग्रामीणक अनुसार बेटी यानी घरमे साक्षात लक्ष्मी एबाक संकेत होइत अछि। कहबाक लेल छोट सं गाम, मुदा एकर संदेश पूरा दुनियाक लेल अछि। खास बात ई अछि उजे, नवजातके नाम पर एकटा गाछ लगेबाक परंपरा सेहो अछि।

    शिक्षक सुबोध व सुषमाकें बेटी स्मृतिक जन्म पर पहिल बेर पूरा गाम खुशि मनौलक। अहि मौका पर एक-एक रुपैया जमा कय गाछ लगाओल गेल, फेर ई सिलसिला चलि पड़ल। ऊषा व नितेशक बेटी, राजू मंडल व पुनीताक बेटी समेत दर्जनो बेटिक जन्म पर पूरा गामक लोक जश्न मनौलक अछि।

    स्वतंत्रता सेनानी महेंद्र मंडल, दिनेश मंडल, संजय मंडल, सूरज मंडल कहलनि जे,किछु साल पहिने धरि एतय बेटिक जन्म पर परिवारमे उदासी रहैत छल। मुदा, 2000कें आबादी वला अहि गाममे आब कोनो परिवारमे बेटीक जन्म पर जश्न मनाओल जाइत अछि। गामक चौकीदार सत्यनारायण मंडलके ओतय राखल गुल्लकमे ग्रामीण एक-एक रुपैया दैत अछि। जाहि सं बेटीक हाथे बेटीक नाम पर एकटा आमक गाछ लगाओल जाइत अछि।