गयामे जीतन राम मांझीक काफिला पर हमला, जान बचेवा पर मजबूर भेलाह मांझी

    0
    277

    दिल्ली-मिथिला मिररः गयाक डुमरियामे सूबेक पूर्व मुख्यमंत्री आ हिन्दुस्तान अवामी मोर्चाक अध्यक्ष जीतन राम मांझीक काफिला पर हमला कैल गेल। उग्र हमलावर भीड़ जीतन राम मांझीक काफिला पर हमला करैत हुनका काफिलाक एकटा गाड़ीकें आगि लगा देल गेल। गयाक इमामगंज इलाकामे लोक जनशक्ति पार्टीक नेता सुदेश पासवानकें हत्या कऽ देल गेल छल। जीतन राम मांझी ओहि पीड़ित परिवार सं भेंट कऽ परिवारकें सहानुभूति देवाक लेल डुमरिया गेल छलाह।

    प्रदर्शन कऽ रहल प्रदर्शनकारीकें जखन जीतन राम मांझीकें ऐवाक सूचना भेटलनि त ओ सब किछु बेसीए तमशा गेलाह आ ओहिकें बाद अहि तरहक अप्रिय घटना घटल। प्रदर्शन कऽ रहल स्थानीय लोकक इ मांग छल जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वयं अहि घटनाकें संज्ञानमे लैत पीड़ित परिवार सं भेंट करैथ। अपने कें बता दी जे बिहारमे नव सरकार ऐलाक बाद अपराधमे जाहि तरहक वृद्धि दर्ज कैल जा रहल अछि ओ कतौ ने कतौ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक राजनीतिक भविष्यक लेल ग्रहण बनि सामने नहि आबि जाए।