बेख़ौफ़ अपराधी मारलक भाजपा युवा मोर्चाक नेता के गोली

    0
    287

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे कानून व्यवस्था के एक बेर फेर चुनौती दैत रविदिन बेखौफ अपराधी भाजपा युवा मोर्चाक नेता केशरी नंदन के घर पर जा कय गोली मारि देलक। घटना कांटी थानाक बरियारपुर गामक अछि।

    केशरी नंदन भोर मे अप्पन घरक समीप टहलि रहल छलाह आ कि हैलमेट लगेने दू टा अपराधी पल्सर पर सवार भय आयल आ केशरी नंदन सं किछु पुछलाक बाद फायरिंग शुरु कय देलक। गोली केशरी नंदन के हाथ मे लागल अछि। केशरी नंदनक इलाज बैरिया स्थित निजी अस्पताल मे चलि रहल अछि। घटनाक विरोध मे पार्टी समर्थक सड़क पर उतरि कय प्रदर्शन कय रहल अछि।

    प्रदर्शनकारी बैरिया गोलम्बर के समीप मुजफ्फरपुर पटना एन एच-28 के जाम कय देलक अछि। प्रदर्शनकारी बैरिया मे हंगामा केलक। मौके पर पहुंचल पुलिस छानबीन कय रहल अछि। डीएसपी के आश्वासन पर लोक शांत भेल।