दरभंगामे युवककेँ बिजलीक पोलसँ बान्हि मारलक

0
521

जाले-दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगा जिलाक जाले प्रखंड अंतर्गत दक्षिणी पंचायतक वार्ड नंबर 1  निवासी सोगारथ चौधरीक घरमे सोमदिन दुपहरियामे एकटा अज्ञात युवक घुसि गेल छल। सोगारथ चौधरी चोर पर आरोप लगबैत छथि जे हुनका घरसँ एकटा मोबाइल फोन आ 20 हजार रुपैया नगद चोरा भागि रहल छल, तखन चोरकेँ ओ खिहाड़ि पकड़लाह। ग्रामीण सभक मुताबिक चोरकेँ पकड़लाक बाद घरक लोक सभ युवककेँ पोलसँ बान्हि निर्दयतापूर्वक पिटाई केलक। आरोपी अपन प्राणक रक्षा लेल गोहार लगबैत रहल मुदा कियो नै ओकर बात सुनलक। घटनाक सूचना पुलिसकेँ  द’ देल गेल। पुलिस आरोपीकेँ हिरासतमे लेलाक बाद पूछताछ शुरू केलक। पुलिसक पूछताछमे आरोपी बतौलक जे हुनक नाम जूही छनि आ कमतौल थानाक बरैल गामक निवासी इसराफिलक बेटा छथि। एक तरफ जूहीकेँ गामवला सभक कहब छनि जे जूही मंदबुद्धि बालक छथि आ कखनो- कखनो ओ विक्षिप्त जेना व्यवहार करैत छथि। समाचार लिखबा काल धरि पुलिस आरोपीसँ पूछताछ क’ रहल छल आ एहि मामलाक एफआईआर लिखल गेल छल। एहि मामलामे जाले थानाध्यक्ष उमेश कुमार कहैत छथि जे मामलाक छानबीन कएल जा रहल अछि संगहि कमतौल पुलिससँ सेहो संपर्क कएल गेल अछि जाहिसँ आरोपी युवकक आपराधिक रिकॉर्ड पता चलि सकय ।