बरहमास’क प्रस्तुति ‘अमली’क मंचन रविदिन सांझ जनकपुरीमे

    0
    277

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिली नाट्य संस्था बारहमासा द्वारा मंचित ‘अमली’ दिल्ली आ बिहारमे दू गोट सफल मंचन बाद एक बेर फेर सं दिल्लीक जनकपुरीमे आई सांझा रविदिन अर्थात 13 मार्च कऽ मंचित हैत। जनकरपुरीक जनक सिनेमाक पाछा डिस्ट्रिक सेंटरक साहित्य कला परिषद स्पेस मे अहि नाटकक मंचन सांझ 06ः30 बजे सं हैत। दिल्ली मे रहनिहार समस्त मैथिलजन सं आग्रह जे जौं अपने नाटक देखावमे रूची रखैत होइ त बारहमासा द्वारा मंचित इ नाटक अवश्ये देखी।
    बारहमासाक संस्थापक आ मैथिली नाट्य संस्थान मैलोरंगक वरिष्ठ रंगकर्मी मुकेश झा मिथिल मिरर बातचीत करैत कहला जे समाजिक कुरीति पर आधारित इ नाटक आम दर्शकक बीच बहुत बेसी लोकप्रिय भय रहल अछि। आशा अछि जे अगर दर्शक लोकनि नाटक देखवा लेल औता त ओ सब निराश नहि भय सकैत छथि। 13 मार्च कऽ जनकपुरीमे मंचनक बाद अमलीक चारमि मंचन दिल्लीक गोल मार्केट मे 15 मार्च कऽ राखल गेल अछि।