निर्दलीय चुनाव लड़ि कए भाजपाक चिंता बढ़ा सकैत अछि मौजूद पार्षद

    0
    230

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: दिल्ली नगर निगम सं पहिने भजपा नेतामे बेचैनी देखाय लागल अछि। भाजपाक 100 सं अधिक मौजूद पार्षद मंगलदिन सिविक सेंटरमे बैसक केलक, जाहिमे तीनू निगमके मेयर आ पैघ नेता सेहो शामिल छल। सूत्रक अनुसार मौजूद पार्षदकेँ टिकट नहि देबाक फैसलाक बाद ग्रामीण इलाकाकें पार्षद निर्दलीय चुनाब लड़बाक रणनीति बना रहल अछि। ओतहि शहरी इलाकाक पार्षदमे एखनहु असमंजस बनल अछि।

    22 अप्रैल कए होबय वला निगम चुनावक लेल जतय दोसर पार्टी’क तैयारी जोर पर अछि, ओतहि भाजपाक भीतर परिषदक नाराजगी सं गतिरोध उत्पन्न हेबाक संभावना बनल अछि। पार्टी तय केलक अछि जे, अहि चुनावमे नब चेहराकेँ मौक़ा देल जाएत, जकरा बाद पार्षदमे नाराजगी जायज अछि। ज्ञात हो कि तीनू निगममे भाजपाक कुल 153 पार्षद अछि।

    सूत्रक अनुसार बाहरी दिल्लीक अधिकांश पार्षद कांग्रेसक टिकट या निर्दलीय चुनाव लड़बाक फैसला लेलक अछि। मानल जा रहल अछि जे, भाजपा अप्पन उम्मीदवारक पहिल सूचि 26 मार्च कए प्रकाशित करत, जाहिकेँ बाद बहुत किछु साफ़ हेबाक संभावना अछि।