मिथिलाक चर्चित गायक सह अभिनेता ‘माधव राय’क संग खास बातचीत

    0
    734

    दिल्ली,मिथिला मिरर: मिथिला मिरर कें खास प्रस्तुति भेंटघांटक आजुक अंक अपने सबहक लेल एकटा एहन पाहुन कें लय एलौह जे मिथिला क्षेत्रक जानल-मानल हस्ति में शुमार छथि। ओ मिथिलाक चर्चित गायक सह अभरैत अभिनेता छथि आ बच्चा सं वृद्ध तक हुनक नाम सं परिचित छथि। जी हां, हम बात कय रहलौ अछि मैथिली गीतक सुपर स्टार ‘माधव राय’क। मिथिला मिरर कें संपादक ‘ललित नारायण झा’क संग माधव राय कें भेल खास बातचीतक अंश।  
    प्रश्न- माधव जी संक्षिप्त परिचय आ अपनेक कैरियर के शुरूआत कतय सं भेल से मैथिल जनमानस के बताएल जाउ?
    उत्तर-हमरा गीत-संगीत सं लगाव बच्चे स छल, मुदा इ कहियो नइ सोचने छलों जे हम कलाकार भय जायब या हमर एतेक नाम भय जायत। लगभग जखन हम बी ए के आस-पास छलौह तअ ओहि समय रामबाबू झा जी सं सिर्फ भेंटघाट करबाक लेल गेल छलौं। गपे-गप में हुनका एकटा गीत सुनेने छलियनि ’धुप दीप माला लेने’ इ गीत रामबाबू झाजीक चर्चित कैसेट दुर्गा वंदनाक छलनि आ हमरा मुंह सं ओ गीत हुनका बड़ निक लागलनि। ओहिक बाद हम हुनका संगे कार्यक्रम सब में जाय लागलौं।
    प्रश्न- माधव जी आहाँक पहिल रिकार्डेड कैसेट कोन छल?
    उत्तर- हमर पहिल रिकार्डेड कैसेट पायल छल। लेकिन ओहि कैसेट बनेवा में बहुत तरहक घटना छैक, यदि आहाँ कहि तऽ राखि। ओहि समय में सती कैसेट छल जाहि सं ’पायल’ आयल छल। ओहिक बाद हम जइ कंपनी सं कैसेट बनबै छलौं ओ कंपनीये बंद भय जाय छल। फेर बाद आयल एस सीरीज सं बीए पास वाली कनियाँ ओहो कंपनी बंद भय गेल। ओहिक बाद हम बहुत चिंता में आबि गेल छलौह, पता नय आब कि हैत नय हैत। फेर हम दिल्ली आबि गेलौ नौकरी करक लेल अपन पिसा जी संग। अहि बीच में हमरा पुष्कर भारती सं गप भेल ओ हमरा कहलथि जे हम आहाँक जयश्री कैसेट सं एकटा नम्बर कऽ रहल छी। फेर हम जयश्री सं छोटकी भौजी कैसेट बनेलौं सेहो कोनो विचाइर के नय गीतकार सभ कें फोन कऽ-कऽ कें बनेलौ ओ ’छोटकी भौजी’ आइ के तारीख में हमरा कलाकार बना देलक।
    प्रश्न- पायल सं लय कऽ एखन धरि कैसेट रिकार्ड करबा चुकलौं अहि?
    उत्तर- लगभग एखन धरि 30-32 टा कैसेट बना चुकलौं, जाहि में चाइर-पाँच टा भगवतीक, दू सं तीन टा महादेवक आ बाँकी सभटा लोकगीत अछि।
    प्रश्न- हालहि में एकटा सिनेमा सेहो कयलौ जाहि में अपने मुख्य भूमिका में छलौंह तऽ केहन सिनेमा रहलै आ ओकर कमाय कि कोना रहलै?
    उत्तर- ’सौतिनक बेटी’ हमर जिनगीक एकटा अलग अनुभव छल। हम इ सोचनहियो नय छलौं जे हम फिल्म में काज करब। फेर संजय यादव जी सं बातचीत भेल तकरा बाद हम फिल्म साइन केलौं आ फिल्म बढियाँ बनल जे जइ हॉल में लागल एक महिना सं कम नय चलल।
    प्रश्न- एकटा मैथिल कलाकार वा मैथिल बच्चा जे कला कें क्षेत्र में किछु करय चाहैत छय तअ हुनका कोन-कोन तरहक समस्याक सामना करय पड़ैत अछि ?
    उत्तर- मैथिली कलाकार होइत वा मैथिली फिल्मक कलाकार या जे क्यो गीत-संगीत सं जुड़ल छथि हुनका सभकें यैह कहबनि जे पहिले जतेक कष्ट कय एतय पहुँचल छी ओ आइ के कलाकार नय कऽ पाबै छथि। हम सभ चाइर साल-पाँच साल तक बिना पैसा के खटने छी आ मेहनत कय कें एतय धरि पहुँचलौ अहि। कहियो इ नय सोचलौं जे हम बहुत पैघ कलाकार भय गेलौं या हमरा एतेक नाम भय गेल। मुदा आइ कें कलाकार सभ एतेक नय बुझि पाबै छथि। ओ सिर्फ ओ सिर्फ पाइ कमाय कें उद्देश्य सं जाय छथिन। हम ओहि कलाकार कें यैह कहऽ चाहबैनि जे ’टका कखनो नाम कमा कय नय दैय छैक मुदा नाम जरूर टका कमा कय दैय छैक।’
    प्रश्न- एखन मैथिली गीत-संगीत में फुहड़ कने बेसी भय रहल अछि एकरा अपने बदलावक दौर बुझै छियै या फेर फेर कोन दिशा में जा रहल छैक मैथिली गीत-संगीत?
    उत्तर- देखियौ आहाँक बात कहनाय यै मुदा पहिले जे होइत छलै गीत-संगीत जेना-’दुमका में झुमका हेरेलौ, चन्द्रमा उतरल गगण सं, धनि दरिभंगा दोहरी अंगा, एक मिसिया जे मुसकिया देलियै तऽ अहि सभ गीत में भाव रहैत छलै जेकरा लोक एखनो सुनय आ गाबय छथि। मुदा एखुनका समय में भोजपुरी मैथिल कें कपार पर आबि कय बैठि गेल छैक। हम सभ मिथिला मैथिली के लेल लड़ै छी सही छैक मुदा जखन एकटा गीत-संगीतक चर्चा आबैत अछि तऽ भोजपुरी हमरा सं आगा छैक। हम सभ बाबा विद्यापति कें लय कऽ आगा छी ज्यों विद्यापति कें अहि में सं हटा देल जाय तऽ हमसभ बहुत पाछु छी। तय सभ कारणें मैथिल कलाकार के कैसेट नय बनि पाबै छनि। पहिले रॉयल्टी भेटै मुदा आब उहो नय भेटै छैक तय हुनका सभ कें अहि तरहक गीत गाबय पड़ैय छन्हि। आब कैसेट कंपनी के इ कहनाइ छैक जे-’कुत्ता भौंकता है तो भौकने दो मुझे प्रॉफिट चाहिये।’ तय पापी पेटक सवाल बुझी वा मजबूरी। लेकिन इ जरूर कहब जे मैथिली गीत-संगीत में बहुत ज्यादा फुहड़ता आबि गेल से उचित नय।
    प्रश्न- सिनेमा केलौ सफलता भेंटल, तअ कि दोसर कोनो प्रोजेक्ट चलि रहल छय एखन सिनेमा के लेल?
    उत्तर- हमर अगिला फिल्म ’हिरो तोहर दिवाना’, ’कलंक’ पुनः एसकेवाइ प्रोडक्शन सं आबि रहल अछि तकरा बाद ’पाहुन बनल घर जमैया’ जेकर शुटिंग में शुरू भय जायत आओर एकटा भोजपुरी सिनेमा सेहो करब मुदा पुर्णरूप सं फाइनल नय भेल अहि।
    माधव रायक संग भेल बातचीतक पूरा अंश सनवाक लेल वीडियो फार्मेट में जा सुनी सकैत छी। तऽ इ छलथि माधव राय जी मिथिलांचलक एकटा चर्चित गायक,सुपरस्टार। अपने लोकनि हिनका सं बहुत रास बात सुनलौं तऽ आजुक अंक बस एतबे। फेर मिथिलांचलक एहने उभरैत स्थापित नव कलाकारक संग भेंटधांटक अहि कार्यक्रम में उपस्थित होयब ताधरिक लेल विदा चाहब।

    विशेष सहयोगः राहुल कुमार राय