मधुबनी मे बिजली बिलक भुगतान मे फर्जीवाड़ा, एक गिरफ्तार

    0
    280

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिजली बिल भुगतान मे फर्जीवाड़ाक खेलक पोल खुजबाक बाद विभाग मे हड़कंप मचल अछि। हालांकि फर्जीवाड़ाक पोल खुजबा के बाद विद्युत आपूर्ति अवर प्रमंडल, मधुबनी के सहायक अभियंता गौरव कुमार बुधदिन नगर थाना मे सरोज कुमारक विरुद्ध नामजद प्राथमिकी दर्ज करौलनि।

    अहि मामला मे पुलिस कार्रवाई करैत सरोज कुमार के गिरफ्तार केलक अछि। सरोज कुमार सीतामढ़ी जिलाक जिबाजपट्टी थाना क्षेत्रक मधुबन बाजार निवासी सोनेलाल साहक पुत्र बताओल जा रहल अछि। सरोज विद्युत आपूर्ति अवर प्रमंडल, मधुबनी के पूर्व बिलिंग एजेंसी क्रिस्टल कंप्यूटर इनफॉमेटिक सेंटर मे दू वर्ष धरि कार्यरत रहल अछि।

    सरोज कुमारक खिलाफ विद्युत आपूर्ति अवर प्रमंडल, मधुबनी कार्यालय के कंप्यूटर स चारि टा उपभोक्ताक विद्युत विपत्र मे अनाधिकृत रुप स फर्जीवाड़ा कय 1.30 लाख रुपैया जमा कय देलाक आरोप मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि।

    जाहि उपभोक्ता के बिजली बिल सरोज कार्यालयक कंप्यूटरक उपयोग कय फर्जी तरीका सं जमा केलक ओहि मे दिलीप चन्द्रा-62 हजार रुपैया, चांद आलम-48 हजार रुपैया, संतोष कुमार-11 हजार रुपैया तथा सलाउद्दीन-9 हजार रुपैया शामिल अछि।