सुपौल मे दहेज प्रताड़ना सं तंग महिला केलनि आत्महत्या

    0
    258

    सुपौल, मिथिला मिरर: सुपौल जिलाक किशनपुर थाना क्षेत्र मे दहेजक प्रताड़ना सं तंग एकटा महिला जहर खा कय आत्महत्या कय लेलक अछि। पुलिस सूत्रके अनुसार शुक्रदिन सरायगढ़ गाम निवासी मंजू देवी (32) दहेज प्रताड़ना स तंग आबि क जहर खा लेलनि, जाहि सं हुनकर मौत भय गेल।

    ग्रामीणक सूचना पर पुलिस पहुँचि क लहास के पोस्टमार्टमक लेल सुपौल सदर अस्पताल पठा देलक अछि। घटना के बाद पुलिस मामला दर्ज कय घटनाक जाँच कय रहल अछि।