अमेरिकाक एटलांटा शहरमे सम्मानित भेलाह फिल्म अभिनेता: क्रान्ति आ राजेश

    0
    447

    अमेरिका, एटलांटा,मिथिला मिरर-सुजित कुमार झाः २८ मई २०१६, एटलांटा, जॉर्जिया, संयुक्त राज्य अमेरिका, मैथिली सिनेमाकें सुपरस्टार क्रान्ति प्रकाश झा आ हिन्दी टेलीविज़न कें सुप्रसिद्ध कलाकार राजेश कुमार के एटलांटा मैथिल ग्रुप द्वारा २७ मई कऽ एकटा कार्यक्रमक आयोजन कैल गेल जाहिमे हुनका दुनू गोटे कें सम्मानित कयल गेलैन। झा द्वारा अभिनीत फिल्म “मिथिला मखान“ साल-2015क सर्वश्रेष्ठ मैथिली फिल्म के राष्ट्रीय पुरस्कार जीतएमे सफ़ल रहल। झा एई सॅ पहिनहि बॉलीवुड में “राम लीला“ स अप्पन डेंग राइख देने छैथ। एतबे नै हुनकर छोट छोट एड फिल्म सब सेहो टेलीविज़न पर देखल जा सकैत अछि।

    राजेश कुमार हिन्दी टेलीविजन के जानल मानल कलाकार के रूप में करीब एक दशक बेसी से चीर परीचित छैथ। हिन्दी प्रसिद्ध टेली सीरियल “नीली छतरी बाले“ के नायक “भगवान दास“ के क़िरदार में सेहो कुमार के देखल जा सकैत अछि, एतबे नई पृथ्वी राज कपूर बाला अकबर के किरदार बॉलीवुड में सब स नीक कुमार करैत छथि।
    कार्यक्रम के शुरुआत में दुनु कलाकार के मुख्य मुख्य झलक बड़का पर्दा पर देखा के कएल गेल, आर अंत में जेहिना “वेलकम टू क्रान्ति प्रकाश झा“ आ “वेलकम टू राजेश कुमार“ क्रमशः देखाओल गेल ताली के साथ सारा हॉल गूंजयमान के संग दुनू कलाकार भावुक भ गेलाह। समारोह कें दौरान दुनू स्टार झा आ कुमार ग्रुप के लगभग एक सौ स बेसी सदस्य के संग सेल्फी लेबएमे कनिको नई हिचकिचैलनि। उपस्थित धीया-पूता सब सं मैथिली सिखवाक एवं बाजवाक प्रेरणा देइत नज़र एलाह। संगहि अप्पन संस्कृति के कहियो नै बिसरवाक सेहो निवेदन सेहो कैलाह।

    कार्यक्रम के दौरान एटलांटा मैथिल ग्रुप के कलाकार सब अप्पन मधुर आवाज़ स संगीत मय माहौल बना देलनि। मिथिला के परम्परा अनुसार सांगीतिक कार्यक्रम के शुरुआत विद्यापति द्वारा रचित भगवती बन्दना “जय जय भरभि“ स माहौल मे अमेरिका मे मिथिला के सुगंध छा गेलै। अंतमे ग्रुप सभक हस्ताक्षर कयल कपड़ा के निशानी के रूप में प्रदान कयल गेल, जकरा देखि के भावुक भेल क्रान्ति कहला “एकरा हम जीवन भर सम्हारि के राखब, हमर माँ ई देखि के अवस्य कानए लगतै“। हुनकर आँखि में मैथिल ग्रुप के प्रति आभार साफ़ देखाइत रहैन।