मधुबनी रेलवे स्टेशन पर बनि कऽ तैयार अछि ‘फुट ओवर ब्रिज’

    0
    317

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजित कुमार झाः कतेको साला सं मधुबनी वासीक इ मांग छलनि जे मधुबनी रेलवे स्टेशन पर एक प्लेटफाॅर्म सं दोसर प्लेटफाॅर्म तक जेवाक लेल फुट ओवर ब्रिज कऽ निमार्ण कराओल जाए। मधुबनीवासीक ओ स्पप्न प्रायः साकार भए गेल अछि आ मधुबनी रेलवे स्टेशन पर एक फुट ओवर ब्रिज बनि कऽ तैयार अछि, आ उद्घाटन प्रक्रियाक बाद ओकरा आम लोकक लेल खोलि देल जाएत।
    मिथिला मिरर सं बातचीत करैत डीआरसीसी कें सदस्य स्वर्णिम कुमार गुप्ता कहला जे फुट ओवर ब्रिज बनि कऽ तैयार भए चुकल अछि मुदा प्लेटफाॅर्म संख्या 2 आ 3 पर ऊँचाई केर कार्य चलि रहल अछि आ अहि लेल फुट ओवर ब्रिजकें आम लोकक लेल नहि खोलल गेल अछि। प्लेटफाॅर्म संख्या 1 पर कार्य पूर्ण भए गेल अछि आ बांकिक कार्यकें संपादित कए तुरंत ओहि पर कार्यकें अंतिम रूप देल जाएत।
    मधुबनी स्टेशन पर विभिन्न तरहक मांग लए बहुत दिन सं आंदोलन कए रहल मिथिला विकास परिषद् कोलकाताक अध्यक्ष अशोक झा कहला जे बहुत नीक लागि रहल अछि, अहि सं बेसी खुशीक बात कि हैत जखन अहां अपना सोंझा अपन मांगकें पूर्ण होइत देखैत छी। दीर्घकाल सं इ मांग चलि आबि रहल छल आ एकर पूर्ति भेलाक बाद निश्चित रूप सं आम जनताकें बहुत बेसी सहुलियत हेतनि।