दिल्लीकें पूर्व कानून मंत्री जितेन्द्र सिंह तोमर’क डिग्री रद्द

    0
    239

    भागलपुर, मिथिला मिरर: दिल्लीकें पूर्व कानून मंत्री आ आप विधायक जितेन्द्र सिंह तोमरकें लॉ’क डिग्री रद्द कय देल गेल। तिलकामांझी भागलपुर विश्वविद्यालय (टीएमबीयू) सीनेट’क सोमदिन भेल बैसकमे अहि पर मोहर लगा देलकि अछि।

    अहि सं पहिने दिसम्बर 2016’मे परीक्षा बोर्ड’क बैसकमे अहि पर सहमति बनल छल। जितेंद्र तोमर पर आरोप छल जे, ग्रेजुएशन आ एलएलबी’क डिग्री फर्जी अछि। दिल्ली पुलिसक एकटा टीम सेहो विश्वविद्यालयमे जा कय जांच कय चुकल छल।

    दिल्ली’क पूर्व कानून मंत्री तोमर अहि यूनिवर्सिटी सं लॉ’क पढ़ाई करबाक दावा केने छलाह आ कहने छलाह जे, हमर डिग्री 100 फीसदी सही अछि। विश्वविद्यालयके परीक्षा विभाग आ 2 दिसंबर कए भेल सिंडिकेट’क बैसकमे तोमरकें डिग्री रद्द करबाक सिफारिश कएल गेल छल।