mithilamirror@gmail.com
+919560295811

समस्तीपुरमे विदेशी हथियारक संग चारिटा अपराधी गिरफ्तार

| महत्वपूर्ण खबरे

समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुरमे पुलिस लूट-हत्या एहेन अपराधक मामलामे शामिल चारिटा कुख्यात अपराधीकें हथियार आ कारतूस सहित गिरफ्तार केलक अछि।

जिलाक विभूतिपुर आ बंगरा थाना पुलिस कार्रवाई करैत मुसरी घरारी थाना क्षेत्रक फतेहपुर सं तीनटा  अपराधीकें गिरफ्तार केलक, ओतहि विभूतिपुर पुलिस सेहो एकटा अपराधीकें पटपारा दक्षिण सं गिरफ्तार केलक। एसपी नवल किशोर सिंह कहलनि जे, पकड़ल गेल अपराधीक संग सं तीनटा पिस्टल, सातटा कारतूस, लूटक एकटा मोटरसाइकिल आ दू टा मोबाइल बरामद कएल गेल अछि।

अपराधीक संग सं बरामद हथियारमे एकटा पिस्टल मेड इन यूएसए आ दोसरा मेड इन इटली अछि। पुलिस पकड़ल गेल अपराधीक आपराधिक इतिहास जाँच कए रहल अछि आ पूछताछ कए रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

*