mithilamirror@gmail.com
+919560295811

रोमांचक मुकाबलामे मुंबई रचलक इतिहास, एक रन सं जीतलक तेसर बेर खिताब

दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: रविदिन आइपीएल 10कें रोमांचक फाइनल मुकाबला राइजिंग पुणे सुपरजाएंट आ मुंबई इंडियंसकें बीच खेलल गेल। अहि मुकाबलामे मुंबईक टीम 1 रन सं जीत कए तेसर बेर अहि ख़िताबकें जीतए वला पहिल टीम बनल। अहि मुकाबलामे मुंबईकें कप्तान रोहित शर्मा टॉस जीतकए पहिने बल्लेबाज़ीक फैसला केलनि। खिताबी मुकाबलामे 130 रनक चुनौतीक पीछा करैत पुणेक टीम 20 ओवरमे 6 विकेट … Continue reading रोमांचक मुकाबलामे मुंबई रचलक इतिहास, एक रन सं जीतलक तेसर बेर खिताब

16 साल बाद बिहारी क्रिकेटरकें स्वर्णिम युगक वापसी

पटना, मिथिला मिरर: 16 सालक इंतेज़ारक बाद बिहारमे क्रिकेटक वनवास आब समाप्त भए गेल। बिहारमे क्रिकेटकें पूर्ण मान्यता भेटि गेल अछि, जाहिकेँ बाद राज्यक क्रिकेटरकें रणजी एहेन पैघ मैचमे अपनी प्रतिभा देखेबाक मौका भेटत। लोढ़ा कमिटीक सिफारिशकें लागू करबाक लेल बनल कमिटी ऑफ एडमिनिस्ट्रेटर (सीओए) दिस सं भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्डक वेबसाइट पर नव संविधान अपलोड कएल गेल। अहि संविधानमे बिहार सहित पूर्वोत्तरक सब … Continue reading 16 साल बाद बिहारी क्रिकेटरकें स्वर्णिम युगक वापसी

दरभंगा मे पदाधिकारी आ जनप्रतिनिधि’क बीच क्रिकेट मैचक आयोजन

दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: दरभंगाक घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत पाली गामक क्रिकेट मैदान मे 13 जनवरी कय प्रखंडक पदाधिकारी बनाम प्रखंडक जनप्रतिनिधि के बीच टी-20 क्रिकेट मैच खेलल  जायत। मैच मे प्रखंड विकास पदाधिकारी, अंचल अधिकारी, थाना प्रभारी तथा अन्य पदाधिकारी मौजूद रहताह। जनप्रतिनिधि मे प्रखंड उपप्रमुख, मुखिया गण, पंचायत समिति सहित बहुतो जनप्रतिनिधि भाग लेताह। प्रखंड स्तर पर … Continue reading दरभंगा मे पदाधिकारी आ जनप्रतिनिधि’क बीच क्रिकेट मैचक आयोजन

ब्रह्मपुरा जितलाक ‘डीपीएल क्रिकेट टूर्नामेंट’

दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: मधुबनी के दलदल डीपीएल क्रिकेट टूर्नामेंट के फ़ाइनल मुकाबला मे बृहस्पतिदिन दरभंगाक घनश्यामपुर क्षेत्रक ब्रह्मपुरा गाम मैच जीत कय कप अप्पन नाम केलक। मुकाबला ब्रह्मपुरा आ भरगामा के बीच भेल छल। ब्रह्मपुरा गामक टीम टॉस जीतकय पहिने बल्लेबाजी करैत 20 ओवर मे नाबाद 196 रन बनेलक। जाहि के बाद भरगामा’क टीम 13 ओवर मे मात्र 94 रन बना कय ऑल … Continue reading ब्रह्मपुरा जितलाक ‘डीपीएल क्रिकेट टूर्नामेंट’

कप्तानी छोड़ि सबके हैरान केलनि महेन्द्र सिंह धोनी

दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: भारतीय क्रिकेट जगत के आईसीसी’क लगभग सब टूर्नामेंट मे विजेता बनाबय वला कप्तान महेंद्र सिंह धौनी बुधदिन अचानक वनडे आ टी-20’क कप्तानी छोड़ि कय दुनिया भरिक अप्पन प्रशंसक के चौंका देलनि। धौनी अहि फैसलेक जानकारी हुनकर परिजन आ खास दोस्त तक के नहि छल। ओ अहि बातक भनक साथी रणजी खिलाड़ि तक के नहि लागय देलनि, … Continue reading कप्तानी छोड़ि सबके हैरान केलनि महेन्द्र सिंह धोनी

किक-बॉक्सिंग मे बिहारक खिलाड़ी के स्वर्णिम शुरुआत

पटना, मिथिला मिरर: बिहार के प्रतिभावान खिलाड़ी एकबेर फेर बिहार के खुश हेबाक अवसर देलक अछि। बिहारक राजधानी पटना मे चलि रहल राष्ट्रीय किक बॉक्सिंग चैंपियनशिप मे शुक्रदिन मेजबान बिहार दू गोट स्वर्ण जीतकय अप्पन स्वर्ण पदक के सफर शुरु केलक अछि। किक बॉक्सिंग फेडरेशन ऑफ इंडिया के तत्वाधान मे राजधानी पटना के पाटलिपुत्र स्पोर्ट्स कॉम्प्लेक्स के इंडोर हॉल मे चलि … Continue reading किक-बॉक्सिंग मे बिहारक खिलाड़ी के स्वर्णिम शुरुआत

दोसर बिहार राज्य सॉफ्ट टेनिस टूर्नामेंट 17 दिसंबर सं

पटना, मिथिला मिरर: दोसर बिहार राज्य सॉफ्ट टेनिस प्रतियोगिताक आयोजन 17-18 दिसंबर धरि सासाराम के फजलगंज स्थित न्यू स्टेडियम मे आयोजित कायल जा रहल अछि। अमेच्योर सॉफ्ट टेनिस एसोसिएशन ऑफ बिहार के महासचिव धर्मवीर कुमार अहि जानकारी के पुष्टि करैत कहलनि जे, अहि चैंपियनशिप मे सीनियर पुरुष, महिला, जूनियर तथा सबजूनियर बालक, बालिका वर्ग मे एकल आ युगल इवेंट … Continue reading दोसर बिहार राज्य सॉफ्ट टेनिस टूर्नामेंट 17 दिसंबर सं

18 साल बाद पटना मे बीसीसीआई करा रहल अछि मैच, प्रवेश निशुल्क

पटना, मिथिला मिरर: बहुत दिन बाद बिहारक राजधानी पटना मे भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड अप्पन निगरानी मे मैच करबाबय जा रहल अछि। लगभग 18 साल बाद पटना के एतिहासिक मोइनुल हक स्टेडियम मे बीसीसीआई के निगरानी मे मैच खेलल जायत। मैच चारि दिवसीय होयत जे अंडर-19 कूच विहार ट्रॉफीक मैच अछि। ई मैच सोमदिन सं खेलल जायत। ज्ञात हो कि 1998 के … Continue reading 18 साल बाद पटना मे बीसीसीआई करा रहल अछि मैच, प्रवेश निशुल्क

तेसर टेस्ट मैच मे इंग्लैंड के आठ विकेट सं हरेलक भारत, श्रृंखला मे 2-0 सं आगू

दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: एक फेर स्पिनर के बेहतरीन प्रदर्शन के बल पर भारत तेसर क्रिकेट टेस्टक चारिम दिन मंगलदिन इंग्लैंड के आठ विकेट स हराकय पांच मैचक श्रृंखला मे 2-0 के बढ़त बना लेलक अछि। भारतक स्पिन तिकडी आर अश्विन (तीन विकेट), रविंद्र जडेजा आ जयंत यादव (दू-दू विकेट) दोसर पारी मे इंग्लैंड के 236 रन पर … Continue reading तेसर टेस्ट मैच मे इंग्लैंड के आठ विकेट सं हरेलक भारत, श्रृंखला मे 2-0 सं आगू

पीवी सिंधु केलीह चाइना ओपन पर कब्ज़ा

दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: ओलम्पिक के बाद भारतीय स्टार पीवी सिंधु के जाहि जीतक तलाश छल ओ चीन मे जा कय भेटल। ठीक सुनलहुँ सिंधु चाइना ओपन के खिताब जीत लेलनि अछि। फाइनल मुकाबले मे सिंधु चीनक मजबूत प्रतिद्वंदी सुन यू के सीधा गेम मे शिकस्त देलनि। रियो ओलंपिक के बाद स सिंधुक फॉर्म संग नहि दय रहल छल। जाहि कारने … Continue reading पीवी सिंधु केलीह चाइना ओपन पर कब्ज़ा