शुरू भेल कुशेश्वरस्थान-हरनगरक बीच ट्रेन सेवा

0
467

दरभंगा,  मिथिला मिरर : सकरी-हसनपुर रेल परियोजनाक अन्तर्गत रविदिन कुशेश्वरस्थानक हरनगर स्टेशनसँ दुपहरिया 1:45 बजे  रेल परिचालनक शुभारम्भ भेल। गार्ड ए.एन. खाँ आ चालक रविरंजन कुमार हरी झंडी देखा ट्रेनकेँ  विदा कएलनि। हरनगर स्टेशन पर बनाओल गेल भव्य मंच पर विशिष्ट अतिथि खाद्य व आपूर्ति मंत्री मदन सहनी, विधायक शशिभूषण हजारी आ एडीआरएम संत कुमार मीणा दीप प्रज्वलित क’ कार्यक्रमक उद्घाटन केलाह। हरनगर बेर, औराही, हिरणी सहित आसपासक दर्जनों गामक सैकड़ों लोक सभ शुरू भ’ रहल रेल परिचालनक गवाह बनलाह। जखनि ट्रेन एक बजे स्टेशन  हरनगर स्टेशन पहुंचल, लोक सभ खुशीसँ झूमि उठलाह। एहि स्टेशन पर ट्रेन लगभग 45 मिनट तक ट्रेन रुकल। स्टेशन पर लागल 4टा बड़का एलईडी टीवीमे पटना स्थित गांधी स्मृति भवनसँ  रेल मंत्री पीयूष गोयल रिमोटसँ कार्यक्रमक उद्घाटन कएलनि। उपस्थित जनसमूह थोपड़ी बजा रेल मंत्रीकेँ स्वागत कएलक। पहिल बेर हरनगर स्टेशनसँ खुजल ट्रेन नं. 55578मे 150 यात्री सफर केलक। टिकट काउंटर पर उपस्थित टिकट बुकिंग क्लर्क शिवानन्द जी बतौलनी जे हरनगर स्टेशनसँ अनेको ठाम लेल कुल 150 यात्री टिकट कटौलनि जाहिसँ कुल 1710 रुपैया रेलवेक कोषमे जमा भेल। एहि रेल मार्गक  परिचालन शुरू भेलासँ बहुतों लोक लाभान्वित होयत।