व्यावसायिक मासूम बेटी मुक्त, अपहरणकर्ता मंगने छल 25 करोड़क फिरौती

    0
    247

    जानकारी दैत कटिहारक पुलिस अधीक्षक सिद्धार्थ मोहन जैन कहलनि जे, एखन पीड़ित परिजन नेपालक विराटनगर पहुंचय बला छथि, जतय मासूमक पहचान के लय किछु कागजी कार्रवाई पुरा कायल जायत, ताहि के बाद पुलिसक संरक्षण बच्चा के कटिहार आनल जायत।

    गौरतलब अछि जे, मासूम बच्चा के तीन अगस्त क स्कूल स घर जाय घड़ी मे बदमाश सब अगवा कय लेने छल जकर आरोप स्कूलक पूर्व वैन चालक पर लगाओल गेल छल। बच्चा के छोड़बाक लेल पीड़ित परिवार स 25 करोड़ रुपैयाक फिरौती मांगल गेल छल।

    ज्ञात हो कि अहि मामला मे कटिहार पुलिस राज्यसभा के पूर्व सदस्य नरेश यादवक पुत्र संतोष यादव आ हुनकर एकटा करीबी संगी सुमन यादव के गिरफ्तार कय जेल भेजने छल। अहि मामला के लोकसभा के सदस्य आ जन अधिकार पार्टीक नेता पप्पू यादव सोमदिन सदन पटल पर उठेबाक घोषणा केने छलाह।