mithilamirror@gmail.com
+919560295811

गंडक नदीक जलस्तर में बढ़ोत्तरी, दर्जनो गाम बाढ़िक चपेट मे

गोपालगंज, मिथिला मिरर : बिहार मे कतेको ठाम कोसीक कहर स प्रभावित लोक राहतक बाट जोहिए रहल छलाह आ कि दोसर दिस गंडक सेहो अप्पन रूद्र रूप देखेनाई शुरू कय देलक। नेपाल स लगातार पानि छोड़बाक बाद गंडक नदी केर जलस्तर मे लगातार बढ़ोतरी भय रहल अछि। जाहि स कतेको इलाका मे पानि तेजी स घुसि रहल अछि। सूत्रक अनुसार दू  दर्जन स अधिक … Continue reading गंडक नदीक जलस्तर में बढ़ोत्तरी, दर्जनो गाम बाढ़िक चपेट मे

तेल माफिया लग पहुँच रहल अछि बरौनी रिफायनरीक डीजल

समस्तीपुर, मिथिला मिरर: राष्ट्रिय राज मार्ग के निकट टैंक आ लौरी स डीजल और मिट्टी तेल निकालबाक कारोबार एतेक बेसी समृद्ध भ चुकल अछि, जाहि आगू शासन व्यवस्था सेहो नतमस्तक भ गेल अछि। बरौनी के रिफायनरी स निकलल टैंक आ लौरी स डीज़ल आ मिट्टी तेल निकालबाक खेल अवैध रूपे कतेको महीना स चलि रहल अछि, जाहि पर काबू केनाई प्रशासन लेल आब मुश्किल भ गेल अछि। सूत्रक अनुसार … Continue reading तेल माफिया लग पहुँच रहल अछि बरौनी रिफायनरीक डीजल

फेर बढ़ल कोसीक जलस्तर, लोक घर छोड़ि कय भगबाक लेल मजबूर

सुपौल, मिथिला मिरर :  बिहारक शोक कहाबई वाली तथा अप्पन धारा स समय-समय पर बिहारक भिन्न- भिन्न इलाका के सराबोर करबाक लेल प्रसिद्ध कोसी नदीक जलस्तर एक बेर फेर बढय लागल अछि। सूत्रक अनुसार वीरपुर बराज पर कोसी के डिस्चार्ज एक लाख 90 हजार पांच सौ 15 क्यूसेक दर्ज कायल गेल। जलस्तर मे वृद्धि के कारण कोसी के पूर्वी एवं पश्चिमी … Continue reading फेर बढ़ल कोसीक जलस्तर, लोक घर छोड़ि कय भगबाक लेल मजबूर

कांवरिया स भरल वैन पलटल, 18 घायल

सावन मास मे शिव भक्ति स सराबोर कांवरिया स भरल एकटा पिकअप वैन डाल्टेनगंज स सुल्तानगंज जेबाक दौरान बिहार शरीफ के दीपनगर थाना क्षेत्रक देवी सराय के निकट एनएच 31 पर पलैट गेल, जाहि  में 18 गोट कांवरिया घायल भय गेलाह।  जानकारीक अनुसार कांवरिया सुल्तानगंज स जल भरिकय बाबा धाम जा रहल छलाह, तहने आगू स अबैत एकटा तेज रफ्तार ट्रक पीकअप के टक्कर मारि … Continue reading कांवरिया स भरल वैन पलटल, 18 घायल

कोसीक कटाव स तबाह होइत जिनगी

भागलपुर, मिथिला मिरर: एकटा पुराण कहाबत अछि जे, कोसी सब साल अप्पन बात मे बदलाव अनबाक लेल विख्यात छथि। अहि साल सेहो कोसी अप्पन बात मे बदलाब आनैत अप्पन नियमित धारा स पांच किलोमीटर भीतर बहनाई शुरू कय देलीह, जाहि स बहुतो क्षेत्र में अत्यधिक कटाव होबय लागल अछि। कोसी मे भ रहल अहि कटाव के … Continue reading कोसीक कटाव स तबाह होइत जिनगी

बरौनी यूरिया संयंत्रक पुनरोद्धारक प्रस्ताव मंजूर

मिथिला मिरर: केंद्र सरकार बुद्धदिन बरौनी सहित तीन अन्य बंद पड़ल यूरिया संयंत्र के पुनरोद्धारक प्रस्ताव के मंजूरी देलक, जाहि पर 18,000 करोड़ रुपैयाक लागतक अनुमान लगाओल जा रहल अछि। मानल जा रहल अछि कि अहि पाछु सरकारक मकसद पूर्वी राज्यक मांग के पूरा करबाक संग-संग यूरिया उत्पादन मे भारत के आत्मनिर्भ बनेबाक अछि। प्रधानमंत्री … Continue reading बरौनी यूरिया संयंत्रक पुनरोद्धारक प्रस्ताव मंजूर

विश्वक 100 गोट प्रभावशाली कुलपतिक सूचिमे शामिल भेलाह: प्रोफेसर कुशवाहा

दरभंगा,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक लेल आजुक दिन बहुत महत्वपूर्ण अछि, आ निश्चित रूपहिं इ दिन स्वर्णिम इतिहासमे लिखल जाएत। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रोफेसर साकेत कुशवाहाकें विश्वक 100 गोट प्रभावशाली कुलपतिक सूचीमे शामिल कैल गेलनि अछि, संगहि अहि उपलब्धिक लेल हुनका सम्मानित सेहो कैल गेलनि अछि। इ प्रथम बेर अछि जखन … Continue reading विश्वक 100 गोट प्रभावशाली कुलपतिक सूचिमे शामिल भेलाह: प्रोफेसर कुशवाहा

18 जून कऽ फाइटर पायलट बनती भावना, एक साल बाद उड़ेती लड़ाकू विमान

दिल्ली-मिथिला मिररः 18 जून अर्थात शनिदिन हैदराबाद कें निकट वायुसेना एकेडमीमे फ्लाइंग कैडेट भावना कंठ, मोहना सिंह आ अवनी चतुर्वेदी कें कमीशन देल जेतनि। मिथिलाक लेल अहि सं बेसी खुशी गप्प आओर कि हैत जे मिथिलाक बेटीकें आब लड़ाकू विमान उड़ेवाक लेल आधिकारिक मंजूरी भेटए जा रहलनि अछि। मूल रूप सं दरभंगाक घनश्यामपुर प्रखंड बाउर … Continue reading 18 जून कऽ फाइटर पायलट बनती भावना, एक साल बाद उड़ेती लड़ाकू विमान

पंचतत्व मे विलीन भेलाह राजदेव, डीजीपी सं भेंट करत पत्रकार संघ

दिल्ली-मिथिला मिररः सीवानमे हिन्दुस्तान अखबारक दिवंगत ब्यूरो चीफ राजदेव रंजन कें दाहसंस्कार कय देल गेल। राजदेवक पैतृक गाममे हजारोक संख्यामे उपस्थित लोकक बीच राजदेवकें अंतिम बिदाई देल गेलनि। शुक्रदिन राइत करीठ 8 बजे सीवानमे मोटर साईकिल पर आएल अज्ञात अपराधी राजदेवकें सीवानक रेलवे पुल लग प्वाइंट जीरो सं गोली माइर कऽ हत्या कऽ देने छल। … Continue reading पंचतत्व मे विलीन भेलाह राजदेव, डीजीपी सं भेंट करत पत्रकार संघ

राम लखन राम रमण कें अगुआई मे मधुबनीमे ‘पाग शपथ’

मधुबनी-मिथिला मिररः मिथिललोक फाॅउंडेशन आ डाॅ. बीरबल झा केर अगुआईमे 28 फरवरी 2016 कऽ दिल्लीक राजेन्द्र भवन सं शुरू भेल ‘पाग बचाउ अभियान’ अपन दोसर चरणमे मिथिला पहुंचल। बीरबल झा केर गृह जिला मधुबनी सं पाग बचाउ अभियानक दोसर चरणक शुभारंभ भेल। 08 मई 2016 कऽ मधुबनीमे संपन्न भेल पाग बचाउ अभियानकें सब तरहें ओहिठामक … Continue reading राम लखन राम रमण कें अगुआई मे मधुबनीमे ‘पाग शपथ’