mithilamirror@gmail.com
+919560295811

समसामयिक विषयकेँ मिथिला पेंटिंगमे उतारैतः रूची झा

मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मिथिला पेंटिंग पहिचान आब विश्व स्तरक भऽ चुकल अछि आ एकर वैश्विक बजार कतेक नम्हर भए गेल छै ओहो कहवाक कार्य नहि। एखन धरि मिथिला पेंटिंगकेँ सांस्कृतिक आ कि परंपरागत रूपेँ राखल जाइत छल, जाहिमे मिथिलाक धरोहर पान, मखान, माछ, सीता स्वयंवर, सीता-राम विवाह, राधा कृष्ण प्रेम आ नहि जानि कतेको … Continue reading समसामयिक विषयकेँ मिथिला पेंटिंगमे उतारैतः रूची झा

साँसद आदर्श ग्राम योजनाके तहत दामोदरपुरकेँ गोद लेनिहार साँसद हुकुमदेव यादवक कटुसत्य

दिल्ली,मिथिला मिरर-रामबाबू सिंहः 11 अक्टूबर 2014 सँ शुरुआत कएल गेल प्रधानमंत्रीक चर्चित सांसद आदर्श ग्राम योजना जकर उद्देध्य गामक लोकमे एहन नैतिक मूल्यके संस्थापित होय जाहिसँ ओ आत्म निर्भर सँग समाजके सेहो आत्म निर्भर करबाक प्रयास करय। समाजमे सभ वर्गक लोकक विकास होय आ ओ समाज दोसर समाज लेल एकटा आदर्श संस्थापित करय जाहिके देखादेखी दोसर … Continue reading साँसद आदर्श ग्राम योजनाके तहत दामोदरपुरकेँ गोद लेनिहार साँसद हुकुमदेव यादवक कटुसत्य

किसानक लहास पर गिद्ध बनल सम्बेदनहीन सत्तापक्ष आ विपक्ष

दिल्ली, मिथिला मिरर-रामबाबू सिंह: लोकतन्त्रमे सरकारक उदय आ अस्त होयत रहल अछि..सत्ताधारी दल होय या विपक्ष दुनूक सत्कर्म आ दुष्कर्मक परिणाम पांच बरखमे भेट जाएत छनि..सत्ता समयक सँग परिवर्तन होयत रहल मुदा जँ नहि परिवर्तन भेल तँ अन्नदाता किसानक भाग्य..ओकर भाग्यमे उदय जेना छैहे नहीँ… दुर्भाग्यबश दुनियाके भरण पोषण करनिहार किसान स्वयंके भरि पेट भोजन … Continue reading किसानक लहास पर गिद्ध बनल सम्बेदनहीन सत्तापक्ष आ विपक्ष

बाबा यात्रीक गाम तरौनीमे 25 मई कऽ मनाओल जाएत तरौनी महोत्सव

मधुबनी,मिथिला मिरर-प्रकाश कामतः दिनांक 25 मई, वृहस्पतिदिन बाबा नागार्जुन ग्राम सेवा समिति एवं बी.वी. शांति फाउंडेशन गुजरात केर संयुक्त तत्वधानमे बाबा यात्री जीक गाम तरौनीमे ‘तरौनी-महोत्सव’ मनाओल जा रहल अछि। कार्यक्रम अध्यक्ष संतोष मिश्रा एवं सचिव विश्वम्भर झा संगहि संगठन महामंत्री प्रकाश झाक कुशल नेतृत्वमे तैयारी अंतिम दौरमे चलि रहल अछि। कार्यक्रमस्थल छोटकी तरौनी (विश्वनाथपुर तरौनी) … Continue reading बाबा यात्रीक गाम तरौनीमे 25 मई कऽ मनाओल जाएत तरौनी महोत्सव

समस्तीपुरमे विदेशी हथियारक संग चारिटा अपराधी गिरफ्तार

समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुरमे पुलिस लूट-हत्या एहेन अपराधक मामलामे शामिल चारिटा कुख्यात अपराधीकें हथियार आ कारतूस सहित गिरफ्तार केलक अछि। जिलाक विभूतिपुर आ बंगरा थाना पुलिस कार्रवाई करैत मुसरी घरारी थाना क्षेत्रक फतेहपुर सं तीनटा  अपराधीकें गिरफ्तार केलक, ओतहि विभूतिपुर पुलिस सेहो एकटा अपराधीकें पटपारा दक्षिण सं गिरफ्तार केलक। एसपी नवल किशोर सिंह कहलनि जे, पकड़ल गेल अपराधीक संग सं तीनटा पिस्टल, सातटा कारतूस, लूटक एकटा मोटरसाइकिल आ … Continue reading समस्तीपुरमे विदेशी हथियारक संग चारिटा अपराधी गिरफ्तार

नशाक हालतमे गिरफ्तार कएल गेल कीर्ति आजादक सार अजय चौधरी

दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगासँ निलंबित बीजेपी सांसद कीर्ति आजादक सार आ कांग्रेस नेत्री पूनम आजादक भाई अजय चौधरीकें शराब पिबैत नशाक हालतमे पुलिस गिरफ्तार कए जेल पठा देलक अछि। गिरफ्तार अजय चौधरीक संग सं एकटा महग शराबक बोतल सेहो जब्त कएल गेल अछि, जकर कीमत लाखोमे बताओल जा रहल अछि। दरअसल अजय चौधरी अपन घरमे बैस कए ने सिर्फ शराब … Continue reading नशाक हालतमे गिरफ्तार कएल गेल कीर्ति आजादक सार अजय चौधरी

जखन कचरासँ हीरा बनेनिहाइरकेँ चिह्नलनि कादोमे कमल खिलेनिहार

दिल्ली-मिथिला मिररः ई बात हम प्रथम दिनसँ मिथिला मिरर पर लिख रहल छी जे मिथिलामे एकसँ बढ़िकऽ एक गुणी लोक सहज रूपेँ भेट जेताह। मैथिलजन गुणी तऽ छथिहे, मुदा एकटा समुचित स्थान नहि भेटलाक कारणेँ ओ अपन प्रतिभाकेँ दुनियाक सोझा जगजियार नहि कऽ पावैत छथि। अहिठाम ई प्रसंग उठेवाक पाछा कारण ई जे जौं मैथिलजनकेँ … Continue reading जखन कचरासँ हीरा बनेनिहाइरकेँ चिह्नलनि कादोमे कमल खिलेनिहार

सुपौल नगर निकाय चुनावमे जीतल प्रत्याशीक सूची

सहरसा,मिथिला मिरर-किसलय कृष्णः बिहारक विभिन्न जिलाक लेल संपन्न भेल नगर निकायक चुनाव परिणाम आबि गेल अछि। एहि क्रममे मिथिला मिररकेँ माध्यमसँ विभिन्न जिलाक चुनावमे सफल प्रत्याशीक सूची अपने लोकनिकेँ भेटिये रहल अछि। एहिठाम अपने सब सुपौल जिलाक वार्ड 1सँ वार्ड 22 धरिक संपूर्ण प्रत्याशीक सूची देखल सकैत छी। जीतल उम्मीदवारक सूची निम्न अछि। वार्ड नं … Continue reading सुपौल नगर निकाय चुनावमे जीतल प्रत्याशीक सूची

मुजफ्फरपुर नगर वार्डकें विजय प्रत्याशिक सूची

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर नगर पालिका चुनावक बाद आए भेल मतगणनामे जे प्रत्याशी विजय भेलाह ओहिमे वार्ड 1 सं सुरेश कुमार पप्पू, वार्ड 2 सं गायत्री चौधरी, वार्ड 3 सं राकेश कुमार पिंटू, वार्ड 4 सं हरिओम कुमार, वार्ड 5 सं सीमा कुमारी, वार्ड 6 सं जावेद अख्तर गुड्डु, वार्ड 7 सं सुषमा देवी, वार्ड 8 सं शशी देवी, वार्ड 9 सं एनामूल हक, वार्ड 10 सं … Continue reading मुजफ्फरपुर नगर वार्डकें विजय प्रत्याशिक सूची

विधायक हत्या केसमे पूर्व सांसद प्रभुनाथ सिंह सहित तीन गोटेकें उम्रकैद

हजारीबाग, मिथिला मिरर: हजारीबाग न्यायालय द्वारा विधायक अशोक सिंहक हत्याकेँ आरोपमे पूर्व सांसद प्रभुनाथ सिंहकेँ उम्रकैदक सजा सुनाओल गेल। प्रभुनाथ सिंह समेत हुनकर तीनटा रिश्तेदारकें सेहो उम्रकैदक सजा सुनाओल गेल अछि। पूर्व सांसद प्रभुनाथ सिंह, हुनकर भाई दीनानाथ सिंह आ रितेश सिंहकें उम्रकैदक सजा सुनाओल गेल। 1995मे अशोक सिंहक गर्दनीबाग थाना स्थित सरकारी आवास पर बम सं हत्या कएल गेल … Continue reading विधायक हत्या केसमे पूर्व सांसद प्रभुनाथ सिंह सहित तीन गोटेकें उम्रकैद