दरभंगा-मुम्बई स्पेशल ट्रेनक फेरा मे बढ़ोत्तरी

    0
    313
    दरभंगा, मिथिला मिरर: आब लगन के अलावा बरसातक मौसम मे सेहो यात्रीक बढ़ल भीड़ के देखैत रेलवे, दरभंगा जंक्शन स मुंबई जायबला स्पेशल ट्रेन के फेरा में विस्तार करबाक घोषणा केलक अछि। जाहि स नव नंबर स दरभंगा-लोकमान्य तिलक टर्मिनल स्पेशल ट्रेन छह और फेरा लगाओत। जानकारी के मुताबिक 82513 तथा 82514 नंबर स पहिने चलई बाला ई गाड़ी आब 05513 तथा 05514 नंबर स चालत। दरभंगा स प्रत्येक मंगलदिन गाड़ी नंबर 05513 मुंबई  के लेल प्रस्थान करत।
    ई ट्रेन 2, 9, 16, 23, 30 अगस्त तथा 6 सितंबर क दरभंगा स खुलत। ओतहि एलटीटी स एकर परिचालन 05514 नंबर स होयत, जे एलटीटी स दरभंगा के लेल 4, 11, 18, 25 अगस्त तथा 1 तथा 8 सितंबर क प्रस्थान करत। अहि ट्रेन में 12 स्लीपर, 3 थ्री एसी तथा 1 टू एसी के बोगी संचालित कायल जाईत।