जयनगर मे कार्बाइन सं अंधाधुंध फायरिंग, एक गोटेक मौत

    0
    270
    बुधदिन भोरे सात बजे के करीब भेल्वा चौकक समीप अपराधी सतन झा पर अंधाधुध फायरिंग केलक। स्थानीय लोकक अनुसार बेखौफ अपराधी कार्बाइन स सतन झा पर फायरिंग केलक। जान बचाकय सतन झा देवतबाबू तेल टंकी रोड गली मे भागि गेलाह। ओहि गली स मोहम्मद आलम नामक व्यक्ति आबि रहल छल त अपराधीक दिस सं चलल गोली मोहम्मद आलम के लागि गेल।

    ओतहि, मौका पर आलमक मौत भय गेल। ओ टेलर के काज करैत छल। ओहि के बाद अपराधी मोटरसाइकिल सं फरार भय गेल। स्थानीय लोकक अनुसार, घटनाक सूचना पर घंटो बाद पुलिस पहुंचल। जहन कि घटनाक विरोध मे स्थानीय लोक लगातार प्रदर्शन कय रहल अछि।