बिहार मे इंटर के रजिस्ट्रेशन’क तिथि 20 नवंबर तक बढ़ल

    0
    255

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार बोर्ड के अध्यक्ष आनंद किशोर बुधदिन कहलनि जे, इंटरक वार्षिक परीक्षा 2017 के रजिस्ट्रेशनक तिथि 20 नवंबर तक बढ़ा देल गेल अछि। बिना कोनो विलंब शुल्कक संग रजिस्ट्रेशनक तिथि 16 नवंबर तक छल। अध्यक्ष कहलनि जे, छात्रक हित के देखैत तिथि मे बदलाव कायल गेल अछि।

    राज्यभर मे बृहस्पति दिन सं बदलल पैटर्न पर मैट्रिकक कंपार्टमेंटल परीक्षा होयत। पहिल दिन पहिल पाली मे अंग्रेजी आ दोसर पाली मे विज्ञानक परीक्षा होयत। छात्रक परीक्षा केंद्र पर एक घंटा पहिने एबाक निर्देश देल गेल अछि। प्रश्न पत्र पढ़बाक लेल छात्रक 15 मिनट के अतिरिक्त समय देल जायत। परीक्षा शुरु हेबा सं 15 मिनट पहिने छात्र के प्रश्न पत्र बांटल जायत।

    परीक्षा मे कदाचार रोकबाक लेल पुख्ता इंतजाम कायल गेल अछि। सब केंद्र पर धारा 144 लागू रहत। सब केेंद्र पर सीसीटीवी कैमरा आ विडियोग्राफी सेहो होयत।