mithilamirror@gmail.com
+919560295811

शनि आ रविदिन राष्ट्रीय नाट्य विद्यालयमे मंचन हैत मैथिली नाटक धूर्तसमागम

दिल्ली,मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइः संस्कृति मंत्रालय,भारत सरकार द्वारा आयोजित एवं मैलोरंग रेपर्टरी,दिल्ली द्वारा प्रस्तुत नाटक धूर्तसमागम राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय,दिल्लीक सम्मुख सभागारमे आगामी २४ आ २५ जून २०१७ क’ संध्या काल दुन्नू दिन क्रमशः ०४ बजे आ ०७ बजे (कुल चारि टा शो) होमय जा रहल अछि। एहि नाटकक मूल रचनाकार छथि कवि शेखराचार्य ज्योतिरीश्वर ठाकुर जकर … Continue reading शनि आ रविदिन राष्ट्रीय नाट्य विद्यालयमे मंचन हैत मैथिली नाटक धूर्तसमागम

मुक्तधारा ऑडिटोरियममे संपन्न भेल मैलोरंग द्वारा मंचित नाटक ‘‘विलाप’’

दिल्ली,मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइः देशक राजधानी दिल्लीमे प्रवासी मैथिलजनक राजनीतिक,सांस्कृतिक एवं समाजिक स्तर पर समान रूपेँ हस्तक्षेप देखल जाइछ। कला-संस्कृतिमे नियमित संलग्नता हेतु चर्चित मैथिली रंगमंचक सक्रिय संस्था “मैलोरंग रेपर्टरी” केर रंगकर्मी द्वारा २० अप्रैल २०१७ (वृहस्पति) क’ मैथिली नाटक “विलाप” मुक्तधारा ऑडिटोरियम,भाई वीर सिंह मार्ग,गोल मार्केट,नई दिल्ली मे सफलतापूर्वक मंचन कएल गेल। नाटक वैद्यनाथ मिश्र … Continue reading मुक्तधारा ऑडिटोरियममे संपन्न भेल मैलोरंग द्वारा मंचित नाटक ‘‘विलाप’’

जेहने साउस तेहने पुतौहकें रिलीज सं पूर्व माधव आ पूनमक संग विशेष बातचीत

दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश झाः आगामी 3 फरवरी 2017 कऽ दरभंगाक लाइट हाउस सिनेमा हाॅलमे गायक सं मैथिली सिनेमा मे अपन सशक्त डेग बढ़ा चुकल माधव राय आ मैथिली मंचक स्थापित गायिका पूनम मिश्र सेहो अपन फिल्मी सफरक शुरूआत कैलनि अछि। फिल्ममे रिना यादव, उषा पासवान आ वैद्यनाथ पटेल सन माजल कलाकार अपन अभियन सं दर्शककें हंसा-हंसा … Continue reading जेहने साउस तेहने पुतौहकें रिलीज सं पूर्व माधव आ पूनमक संग विशेष बातचीत

घाट पर जातिमे उपरौंझ, मकड़ी, फाँक आ पुरनिवाली मंचित

दिल्ली, मिथिला मिरर-मनीष झा “बौआभाइ: १४ जनवरी २०१७ क’ कला-संगीतमे प्रशिक्षण आ प्रदर्शनक सभस’ पैघ गढ़ संगीत नाटक अकादमी (एन.एस.डी.) दिल्ली केर सम्मुख सभागार मे मैलोरंग रेपर्टरी प्रस्तुत नाटक “घाट पर जाति” केर सफल मंचन भेल. साहित्य अकादमी स’ पुरस्कृत मैथिलीक प्रसिद्ध लेखक प्रदीप बिहारी केर चारि गोट कथा क्रमशः उपरौंझ,मकड़ी,फाँक आ पुरनिवाली जेकि स्त्री … Continue reading घाट पर जातिमे उपरौंझ, मकड़ी, फाँक आ पुरनिवाली मंचित

अनिल मिश्रा के अभिनय मे एकटा और नव सीरियल

दिल्ली, मिथिला मिरर: मैथिली फिल्म सस्ता जिनगी महज सेनुर आ सेनुरक लाज एहेन पारिवारिक फिल्म के निर्माता बालकृष्ण झा एकटा नव मैथिली धारावाहिक ‘स्वर्ग ने बिनु मुईने’ लय क आबि रहल छथि। अहि धारावाहिक के प्रसारण 2 अकटूबर सं हरेक रविदिन साँझ के 6 बजे डीडी बिहार चैनल पर कायल जायत। अहि धारावाहिक के मुख्य अभिनेता अनिल मिश्र … Continue reading अनिल मिश्रा के अभिनय मे एकटा और नव सीरियल

मैथिल सपूत संजीव पूनम मिश्र’क ‘ये दिल साला सनकी’ सं बॉलीवुड मे एंट्री

दिल्ली, मिथिला मिरर: बिहार के दरभंगा’क एकटा छोट सन गाम रमौली के रहयवला संजीव पूनम मिश्र जहन मायानगरी मुंबई मे अप्पना आप के स्थापित करबाक सोचलनि त बहुतो लोक हुनका पर ठहाका लगा कय हंसय लगलनि। मुदा ओहि समय हुनका नहि बुझल छलनि जे, एकदिन संजीव पूनम अप्पन लगन आ मेहनत के बदौलत बॉलीवुड मे अपना आप के स्थापित कय लेताह। 23 सितंबर क रिलीज होबयवला फिल्म ‘ये … Continue reading मैथिल सपूत संजीव पूनम मिश्र’क ‘ये दिल साला सनकी’ सं बॉलीवुड मे एंट्री

आइ बॉलीवुडमे मिथिलाक नाम रौशन केनिहार अभिनेता नरेंद्र झा के जन्म दिन छैन्ह

दिल्ली, मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झा: ओना त आब मिथिला-बिहार सँ बहुत अभिनेता आ अभिनेत्री बॉलीवुड दिस देगा बढ़ा सफलताक बाट पर अग्रसरित भेलाह अछि मुदा पूर्वमे जखन बहुत गोटे मिथिलाक माइट-पानिकें बॉलीवुडमे नहि सिंचित केने छलाह ओहि समय मधुबनी जिलाक कोईलख गाम सँ बम्बई जेवाक स्वप्न नरेंद्र झा देखलैन्ह। सफ़र सहज नहि रहितो अपन कठीन … Continue reading आइ बॉलीवुडमे मिथिलाक नाम रौशन केनिहार अभिनेता नरेंद्र झा के जन्म दिन छैन्ह

पटना मे पहिल बेर अंतरराष्ट्रीय फिल्म महोत्सवक आयोजन

पटना, मिथिला मिरर: बिहार सरकार के कला संस्कृति विभागक तत्वावधान मे पहल बेर पटना मे तीन दिवसीय बिहार अंतरराष्ट्रीय फिल्म महोत्सवक शुरूआत कायल गेल। फिल्म महोत्सव मे स्पेन, जर्मन आ फ्रांसक फिल्म देखाओल जायत। तीन दिवसीय अहि महोत्सवक शुरुआत आय उच्च न्यायालय के मुख्य न्यायाधीश इकबार अहमद अंसारी आ कला संस्कृति मंत्री शिवचंद्र राम केलनि। मंत्री शिवचंद्र राम अहि अवसर पर कहलनि जे, राजगीर … Continue reading पटना मे पहिल बेर अंतरराष्ट्रीय फिल्म महोत्सवक आयोजन

16 साल बाद आय ‘बिहारी बाबू’ फेर करताह नाटक, नितीश-लालू बनताह दर्शक

पटना, मिथिला मिरर: पटनाक लोक के शुक्रदिन एक बेर फेर सं फिल्म अभिनेता आ सांसद शत्रुघ्न सिन्हाक नाटक देखबाक मौका भेटतनि। शत्रुघ्न आ हुंकार टीम आय पटनाक एसके मेमोरियल हॉल मे परफॉर्म करताह। हास्य नाटक ‘पति, पत्नी और मैं’ मे शत्रुघ्न स्वं सेहो अभिनय करताह। नाटकक आयोजन बिहार के कला, संस्कृति विभागक दिस स कायल जा रहल अछि। शुक्रदिन शत्रुघ्न सिन्हा जाहि नाटकक मंचन करताह ओहि नाटकक मंचन 16 साल … Continue reading 16 साल बाद आय ‘बिहारी बाबू’ फेर करताह नाटक, नितीश-लालू बनताह दर्शक

कथारंग संग मैलोरंगक पनरह अगस्त

दिल्ली,मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइ: स्वतंत्रता दिवसक सुअवसर पर १५ अगस्त २०१६क’ मैथिली रंगमंच दिल्लीक संस्था मैलोरंग अपन पंजीकृत कार्यालय एमएलआर स्टूडियो थियेटर, शकरपुर,दिल्लीमे नाट्य मंचन केर आयोजन केलक. एहि आयोजनमे मैलोरंगक किछु नवप्रशिक्षु आ किछु प्रशिक्षित रंगकर्मी लोकनिकें नाटकक चयन,निर्देशन ओ अभिनय हेतु स्वतंत्र निर्णय लेमय हेतु अधिकृत क’ देल गेल छलनि. ज्ञात होकि मैलोरंग … Continue reading कथारंग संग मैलोरंगक पनरह अगस्त