15 जून तक बढ़ओल गेल जयनगर-आनंद विहार सुविधा एक्सप्रेस

    0
    242

    दिल्ली-मिथिला मिररः गर्मी छुद्दीक दरम्यान अतिरिक्त भीड़कें देखैत उत्तर आ मध्य पूर्व रेलवे जयनगर-आनंद विहार स्पेशल सुविधा एक्सप्रेस ट्रेनक फेरी कें बढ़ा देलक अछि। रेलवे प्रबंधन सुविधा एक्सप्रेस ट्रेनकें छह गोट फेरी बढ़ावैत एकरा 15 जून तक चलेवाक निर्णय लेलक अछि।

    आब जयनगर सं सुविधा एक्सप्रेस 28 एवं 31 मई, 04, 07, 11 आ 14 जून कऽ चलत त दोसर दिस आनंद विहार सं इ ट्रेन 29 मई, 01, 05, 08, 12 एवं 15 जून कऽ चलत। दिल्लीमे रहि रहल हजारों-लाखों मैथिलक लेल ट्रेनक कन्फॉर्म टिकट भेटव अपनामे एकटा बहुत भीड़हगर कार्य बुझना जाइछ एहनमे सुविधा एक्सप्रेस ट्रेन अतिरिक्त भीड़कें कम करवामे अपन महत्वपूर्ण भूमिका निभाओत। अपने कें बता दी जे सुविधा एक्सप्रेस चूंकि प्रिमियम ट्रेन अछि ताईं एकर भाड़ाक सेहो एकटा अलग प्रारूप छैक। अहि ट्रेनमे जतेक पहिने टिकट कटाएब ओतेक कम टका देबए पड़त।