झारखंड मिथिला मंचक जानकी प्रकोष्ठ रांचीमे मनौलक मधुश्रावणी महोत्सव

    0
    333

    दिल्ली-मिथिला मिररः झारखंड मिथिला मंचकें तत्वावधान मे एवं मंचक जानकी प्रकोष्ट केर संयोजनमे दिनाँक 31 जुलाई अर्थात रविदिन अपराहन 3 बजे मधुश्रावणी महोत्सव हरमु कें पटेल भवन मे मनाओल गेल। कार्यक्रमक शुभारंभ भगवती वंदना ‘जय जय भैरवि’ स भेल। तदुपरान्त सब ब्रती अपन डाला कें प्रदर्शन कैलनि। डाॅ. आभा झा एवं नंदनी पाठक मंच संचालन केलीह। अपन ओजपूर्ण उद्बोधन मे डा आभा झा कहली जे अहितरहक कार्यक्रम स हम सब अपन गाम घर स जुडल रहैत छी, ऐहन कार्यक्रम सब होइत रहबाक चाही।
    संगहि धीरे-धीरे जानकी प्रकोष्ट कें मजबूती देल जाय ताकी ओ सब अपन कार्यक्रम सब मारवाड़ी महिला समाज जेका स्वयं कऽ सकथि। अहि अवसर पर मंच कें स्वयंसेविका सवहक उत्साह देखिते बनैत छल। जे नवविवाहिता कें डाली पूर्ण रूप स नियमानुसार सजल छल हुनका पुरस्कार देल गेलैन। पूजा कें प्रथम प्रिती कें द्वितीय एवं सिद्धिदा कें तृतीय पुरस्कार देल गेलनि संगहि अन्य नवविवाहिताकें सान्त्वना पुरस्कार देल गेलैन्ह। संगहि सब नवविवाहिता कें मंच कें सदस्यगण सुखद दामपत्य जीवन केर आशिर्वाद देलखिन। जतेक लोक आयल छलथि सब प्रसन्न छलथि, संगहि कहलैथ जे आय तक ऐहन तरहक कार्यक्रम राँची मे नै भेल छल अतः ऐहन ऐहन कार्यक्रम होइत रहबाक चाही।
    तदुपरान्त परंपराक गीतनाद होमय लागल रूपा झा, ज्योती मिश्रा, एवं नीभा चैधरी पारंपरिक एवं भक्तिरसक गीत गाबि भवन कें भक्तिमय क देलनि। अंत मे पंडित मोहन झा ‘वैदिक’ वेदक पाठ केलनि एवं हुनक पत्नी एवं बचिया बिषहराक गीत गाबि आनंदित क देलनि। अहि तरहक कार्यक्रम राँची या अन्य जगह पर कोनो मैथिल संस्था द्वारा शायद पहिल बेर मनाओल गेल। कार्यक्रम आशा स बेसी सफल रहल अतः जानकी प्रकोष्ठ कें शुभकामना।
    रांची सं सुजीत झा केर पठाओल समाद।