सीए आॅफ़िसमे 3 गोट आर्टिकल सहित अन्य पद पर नौकरीक अवसर

    0
    520

    दिल्ली-मिथिला मिररः दिल्ली-एनसीआरमे रहनिहार आ अकॉउंट्स केर क्षेत्रमे कैरियर बनेवाक इच्छूक व्यक्ति लोकनिक लेल रोजगारक एकटा अवसर अछि। दिल्लीक कड़कड़डूमा स्थित ब्रजमोहन सिंह एण्ड एसोसिएट्स (चार्टर्ड अकाउंटेंट)क ऑफिसमे 3 गोट आर्टिकल असिसटेंट, 4 गोट अकाउंटेंट आ एकटा मर्केटिंग एग्जिक्यूटिवक आवश्यकता अछि। कंपनी अपन विस्तार कऽ रहल अछि आ एहि क्रममे नव वेंचर गुरूग्राममे खुजत। कंपनीकेँ ओहोठाम किछु युवाक खगता हेतैक। 
    योग्यता बी.कॉम अथवा आईपीसीसी हेवाक चाही, फ्रेशर सेहो अपन बायोडेटा पठा सकैत छथि। चयनित व्यक्तिकें तनख्वाह हुनका योग्यता आ काज केर क्षमताक हिसाब सं देल जेतनि। इच्छूक व्यक्ति अपन बायोडेटा अहि ई-मेल आईडी पर पठाबैथ snjhaca@gmail.com अथवा +91-9717307795 फोन सं संपर्क करैथ।